देशक सबस पैघ वाई-फाई क्षेत्र होएत पटना मे

पटना । कहियो आइटी वाइटी लेल जानल जा रहल बिहार आब आइटी क क्षेत्र मे पैघ डेग उठा रहल अछि। आइटी पार्क क सुगबुगाहट क बीच सरकार देशक सबस पैघ वाई- फाई नेटवर्क पटना मे स्‍थापित करबाक फैसला लेलक अछि। दानापुर स एनआइटी तक इ वाई- फाई सुविधा लोक कए नि:शुल्‍क उपलब्‍ध भ सकत। एखन देश मे एतबा पैघ क्षेत्र मे वाई- फाई सुविधा कोनो शहर मे नहि अछि। जानकारक कहब अछि जे दुनिया मे सेहो पटना एहि मामला मे विशेष स्‍थान बना लेत। आइटी क राजधानी कहल जा रहल बेंगलुरु मे सेहो केवल एक किमी क्षेत्र मे इ सुविधा देल गेल अछि, जखन कि चीन मे 3.5 किमी क्षेत्र मे इ सुविधा अछि । पटना मे इ सुविधा लगभग 20 किमी क्षेत्र मे देबाक तैयारी भ रहल अछि। एकर परीक्षण 19 फरवरी कए पटनाक गांधी मैदान मे होएत। आइटी सचिव एनके सिन्‍हा एहि संबंध मे कहला अछि जे एहि काज कए जल्‍द स जल्‍द पूरा करबाक जिम्‍मेदारी बेलट्रोन कए सौंपल गेल अछि। सुविधा उपलब्‍ध भेलाक बाद आम जनता लेल एकबेर एकर निबंधन जरूरी होएत। वाई- फाई लेल विशेष पेज पर अपन मोबाइल नंबर आ नाम दर्ज कराउल जाएत। ओकर बाद उपभोक्‍ता कए एकटा पीन देल जाएत। पीन क प्रयोगक 30 मिनट बाद इ सुविधा मोबाइल फोन या कंप्‍यूटर पर उपलब्‍ध भ जाएत। एहि सेवा लेल सरकार कोनो प्रकारक शुल्‍क नहि लेत। हाल मे एहि सुविधाक जानकारी देबा लेल मुख्‍यमंत्री आवास मे प्रस्‍तुति देल गेल। एहि पूरा परियोजना पर कुल 3 करोड़ टका खर्च होएत। आशा कैल जा रहल अछि जे इ सुविधा एहि साल पटनाक जनता कए भेट जाएत।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

Comments are closed.