देवघर स उड़ान भरबाक रास्ता साफ

देवघर । बाबा वैद्यनाथ क दर्शन करबा लेल आब हवाई जहाज स सेहो जा सकैत छी। बहुत जल्‍द देवघर स हवाई सेवा संभव भ जाएत। देवघर में एयरपोर्ट निर्माण कए मंजूरी भेट गेल। एयरपोर्ट ऑथोरिटी ऑफ इंडिया क एमओयू क प्रस्ताव झारखंड राज्य मंत्री परिषद पास करि देलक। झारखंड नागर विमानन विभाग क सचिव विजय कुमार सिंह एएआइ क अध्यक्ष कए एमओयू लेल आमंत्रित करि देलथि अछि। राज्य सरकार कहलक अछि जे जल्द एमओयू भ जाएत आ ओकर बाद देवघर स्थित कुंडा हवाई अड्डे कए मॉर्डन हवाई अड्डा बनेबाक काज शुरू करि देल जाएत। केंद्रीय योजना आयोग देवघर में एयरपोर्ट निर्माण लेल पहिने स बजट में 300 करोड़ क राशि क प्रावधान करि रखने अछि। झारखंड सरकार सेहो एकरा लेल 50 करोड़ खर्च करबाक स्वीकृति देने अछि। जानकारी क अनुसार एकरा लेल 728.41 एकड़ जमीन विकसित होएत। ज्ञात हुए जे सांसद निशिकांत दुबे देवघर में एयरपोर्ट लेल योजना आयोग कए लिखने छलाह, राज्य सरकार स पत्राचार केने छलाह। सांसद क पहल पर योजना आयोग टीम पठेने छल, एएसआइ क टीम क रिपोर्ट क बाद योजना आयोग 300 करोड़ क प्रावधान बजट में रखलक। आइ बिहारक भागलपुर हवाई अडडा लेल सेहो एहने प्रयासक जरूरत अछि, मुदा नहि भ रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

  1. esamaadak khabari ke motabik Mithilak Purnea aa Darbhanga sa seho hawaii jahajak parichalan October sa hebak gapp chhal, muda ke bhel se nahi pata.

Comments are closed.