दू वर्ष मे पूरा भ जाइत एसएच क आधा दर्जन सड़क

पटना। बिहार स्टेट हाइवे प्रोजेक्ट क तहत फेज-1 क आधा दर्जन टा सड़क क निर्माण 2011 तक पूरा भ जाइत। फेज-1 क तहत नौ टा राज्य उच्च पथ क निर्माण कराउल जा रहल अछि। 820 किमी क एहि परियोजना पर 1936.264 करोड़ टका खर्च होइत।
पथ निर्माण मंत्री डॉ. प्रेम कुमार कहला जे शिवगंज-रफीगंज-गोह-उपहारा पथ (एसएच-68), जे 78 किमी अछि, क निर्माण क लेल जुलाई, 2009 मे एकरारनामा कएल गेल छल। एहि पर 168.52 करोड़ टका खर्च होबाक अछि। इ सड़क क लेल संवेदक कए मोबलाइजेशन एडवांस देल जा चुकल अछि। संवेदक कए दिसंबर, 09 क प्रथम सप्ताह स काज करबाक निर्देश देल गेल अछि। एहि श्रेणी मे सिवान-बसंतपुर-मशरख-अमनौर-शीतलपुर पथ (एसएच-73) सेहो अछि। 88 किमी क एहि सड़क पर 229.40 करोड़ टका खर्च होबाक अछि। दूनू सड़क क निर्माण 2012 तक पूरा करबाक लक्ष्य निर्धारित कएल गेल अछि। एसएच -75, दरभंगा-कमतौल-साहरघाट पथ क संबंध में बताउल गेल जे एकरा लेल सेहो संवेदक कए मोबलाइजेशन एडवांस द देल गेल अछि। 156.64 करोड़ टका क लागत स 47 किमी क इ परियोजना जुलाई, 2011 मे पूरा भ जाइत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments