दू माह मे तैयार भ जाएत हर्बल गार्डेन : नंदकिशोर


पटना। स्वास्थ्य मंत्री नंदकिशोर यादव कहलथि जे प्रदेश मे प्रस्तावित दू टा हर्बल गार्डेन क दू माह मे तैयार करि देल जाएत। एहि संबंध मे ओ आवश्यक निर्देश जारी केलथि। राज्य औषधि पादप बोर्ड क बैठक कए संबोधित करैत श्री यादव कहलथि जे पटना आ दरभंगा मे प्रस्तावित एहि हर्बल गार्डेन क लेल राशि उपलब्ध कराउल जा चुकल अछि। पटना मे इंदिरा गांधी आयुर्विज्ञान संस्थान क प्रांगण मे हर्बल गार्डेन बनाउल जाएत। ओ एकरा मूर्त रूप देबाक लेल वरीय पदाधिकारी क संग संस्थान क प्रांगण मे गार्डन स्थल क निरीक्षण सेहो केलथि। स्वास्थ्य मंत्री कहलथि जे औषधि पौधा क खेती क 11 टा परियोजना क लेल किसान कए 16 लाख टका देल गेल अछि। ओराज्य औषध पादप बोर्ड कए स्वतंत्र रूप देबाक लेल एकरा सोसाइटी रजिस्ट्रेशन एक्ट क तहत निबंधित करेबाक निर्देश देलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments