दू दशक बाद कांग्रेस केलक भागलपुर पर कब्‍जा

मिश्रा खानदान क पांचम पीढीक सदन मे भेल प्रवेश
महागठबंधन क प्रयोग रहल सफल, नीतीश कए राहत भाजपा बैकफुट पर, नहीं बचा सकल अपन दूटा सीट

के कतए स जीतल

1. नरकटियागंज स जीत रश्मि वर्मा(बीजेपी) हारि फखरुद्दीन (कांग्रेस)
2.
मोहिउद्दीननगर स जीत अजय बुल्गानिन(राजद) हार राजेश कुमार सिंह (बीजेपी)
3.
मोहनिया स जीत नीरंजन राम (बीजेपी) हार चंद्र शेखर पासवान (जदयू)
4.
भागलपुर स जीत अजीत शर्मा (कांग्रेस) हार नभय कुमार चौधरी (भाजपा)
5.
राजनगर स जीत रामावतार पासवान (राजद) हार रामप्रीत पासवान (बीजेपी)
6.
बांका स जीत राम नारायण मंडल (बीजेपी) हार इकबाल हुसैन अंसारी (राजद)
7.
जाले स जीत ऋषि मिश्रा (जदयू) हार रामनिवास प्रसाद (भाजपा)
8.
छपरा स जीत रंधीर कुमार सिंह (राजद) हार कन्हैया सिंह (बीजेपी)
9.
हाजीपुर स जीत अवधेश सिंह (बीजेपी) हार राजेन्द्र राय (जदयू)
10.
परबत्ता स जीत आरएन सिंह (जदयू) हार सुहेली मेहता (लोजपा)

पटना । बिहार मे विधानसभा क दसटा सीट पर भेल उपचुनाव मे महागठबंधन क जीत स नरेंद्र मोदीक अश्‍वमेघ रथ ठमकि गेल। 10मे स 6टा सीट पर महागठबंधन क घटक दल क उम्मीदवार जीत दर्ज केलथि अछि। महागठबंधन क घटक दल राजद 3, जदयू 2 आ कांग्रेस 1टा  सीट पर चुनाव जीत लेलक अछि। ओतहि भाजपा मात्र चारिटा सीट जीत सकल। पिछला चुनाव क तुलना मे राजद बराबर पर रहल, जखन कि जदयू आ कांग्रेस कए एक एक टा सीट क फायदा भेल। भाजपा अपन दूटा सीट नहि बचा सकल। एहि चुनावक सबस महत्‍वपूर्ण संदेश भागलपुर स भेटल। एहि ठाम करीब 24साल बाद कांग्रेस जीत दर्ज केलक अछि। बिहार मे भाजपा क उदय और कांग्रेस क अवसान क गवाह रहल भागलपुर मे भेल इ परिवर्तन राजनीतिक क एकटा बदलाव क समाद दैत अछि। कांग्रेस भागलपुर मे जीत कए अपन वापसी क रूप मे देख रहल अछि। लोकसभा चुनाव स पूर्व विधान परिषद क चुनाव मे सेहो कांग्रेस नीक प्रदर्शन केने छल। लोकसभा चुनाव मे सेहो कांग्रेस कए जदयू स नीक परिणाम भेटल छल। एहन मे गठबंधन मे कांग्रेस क महत्‍व बढबाक संभावना अछि। दोसर दिस भाजपा नरकटियागंज आ हाजीपुर सीट पर अपन कब्जा बरकरार रखलक, मुदा मोहिउद्दीनगर
आ छपरा सीट राजद स, ओतही जाले जदयू आ भागलपुर कांग्रेस स गवां देलक। ओना मोहनिया (सु) सीट राजद स छीनबा मे सफल रहल। भाजपा कए एहि उपचुनाव मे दूटा सीट क नुकसान भेल। राजद मोहिउद्दीन नगर आ छपरा सीट कए भाजपा स छीनलक आ राजनगर सीट पर अपन कब्जा बरकरार रखलक। पिछला चुनाव मे परबत्ता सीट पर राजद क कब्जा छल, एहि बेर राजद इ सीट जदयू कए देने छल। जदयू जीत दर्ज केलक अछि। जाले विधानसभा क्षेत्र स जदयूक टिकट पर ऋषि मिश्र चुनाव जीत गेलाह अछि। एहि प्रकार स वलुआ क मिश्रा परिवार बिहारक सबस पैघ राजनीतिक परिवारक दर्जा पाबि गेल अछि। इ परिवार अनुग्रह बाबू क परिवार कए एहि मामला में पाछु छोडि देलक अछि। मिश्रा परिवारक पांचम पीढी सदन मे पहुचल गेल अछि। ऋषि मिश्र क पिता विजय मिश्र विधान परिषद आ काका
नीतिश मिश्र विधानसभा क सदस्‍य छथि, जखन कि हिनक दादा जगन्‍नाथ मिश्र बिहार क पूर्व मुख्‍यमंत्री क रूप में सरकारी सुविधाक भोग क रहल छथि। पूर्व में सेहो हिनक दादा ललित नारायण मिश्र आ परदादा राजेंद्र मिश्र सन
किछु आओर लोक सदन तक पहुंच चुकल छथि।

क्षेत्र                                                     जीतलाह                         हारलाह                                   मतांतर
राजनगर (सु)                           राजद क राम अवतार पासवान  भाजपा क रामप्रीत पासवान  3448 मत
छपरा                                        राजद क रंधीर कुमार सिंह          भाजपा डॉ सीएन गुप्ता           24 000 मत
बांका                                         भाजपा क राम नारायण मंडल  राजद क इकबाल हुसैन अंसारी   711 मत
नरकटियागंज                          भाजपा क रश्मि वर्मा                 कांग्रेस क फखरुद्दीन खान      15, 742 मत।
मोहिउद्दीन नगर                       राजद क अजय कुमार बुल्गानिन  भाजपा क राजेश कुमार सिंह     21हजार 530 मत
जाले                                         जदयू क ऋषि मिश्रा                    भाजपा क रामनिवास प्रसाद       7,720 मत
भागलपुर                                  कांग्रेस क अजीत शर्मा                भाजपा क नभय कुमार चौधरी     17,229 मत
मोहनिया                                  भाजपा क नीरंजन राम              जदयू क चंद्र शेखर पासवान         19,851 मत
हाजीपुर                                     भाजपाक अवधेश सिंह              जदयू क राजेन्द्र राय                     6,127 मत
परवत्‍ता                                    जदयू क आरएन सिंह               लोजपा क सुहेली मेहता               56,990 मत

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments