दू चरण मे होएत महिला सिपाही क नियुक्ति

पटना ।  बिहार मे महिला सिपाही आ सब इंसपेक्टर क बहाली दू चरण मे होएत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क अध्यक्षता मे भेल गृह विभाग क उच्चस्तरीय समीक्षा बैसार इ फैसला लेल गेल। पुलिस महानिदेशक अभयानंद कहला जे 35 प्रतिशत महिला सिपाही आ सब इंसपेक्टर क बहाली लेल कोन प्रक्रिया आ नियम बनाउल जाए ताहि पर बैसार मे चर्च कैल गेल। ज्ञात हुए जे सरकार महिला सिपाही आ महिला सब इंसपेक्टर लेल 35 फीसदी आरक्षण क प्रावधान केने अछि। बैसार मे सिपाही लेल चलि रहल भर्ती आ आगू पांच साल मे पुलिस लेल जे पद स्वीकृत अछि ओहि पर भर्ती प्रक्रिया आ प्रगति पर सेहो मुख्यमंत्री समीक्षा केलथि। आब जे बहाली होएत ओहि मे तीन प्रतिशत पद पिछड़े वर्ग कमहिला लेल आरक्षित होएत। ओ कहला जे महिला सिपाही आ सब इंसपेक्टर क बहाली क नीति कए स्वीकृति लेल मंत्रिमंडल मे पठाउल जाएत।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. Jahi post ke lel Mahila ke Arakshank bhetwak chahi ohi me nahi day Police me Arakshank bhet rahal achhi. Arakshan dewak achhi te Shiksha me deyok Medical me deyok.

Comments are closed.