दू अक्‍तूबर कए पटना मे लागत गांधी क सबस पैघ प्रतिमा

पटना। बिहार सरकार अपन एकटा पूरान घोषणा कए जमीन पर उतारबाक तारीख घोषित क देलक अछि। महात्मा गांधी क 143वीं जयंती पर राज्य सरकार राजधानी पटना मे राष्ट्रपिता क 40 फुट ऊंच एकटा कांस्य प्रतिमा स्थापित करत। राज्य सरकार क एकटा अधिकारी क अनुसार इ प्रतिमा एखन धरिक गांधीक सबस ऊंच प्रतिमा होएत। अधिकारी क अनुसार इ प्रतिमा शहर क मध्य ऐतिहासिक गांधी मैदान मे स्थापित कैल जाएत। फिलहाल गांधी मैदान मे बापू क एकटा 12-15 फुट ऊंच प्रतिमा मौजूद अछि। इ प्रतिमा तत्कालीन मुख्यमंत्री लालू प्रसाद द्वारा 1990 क दशक क मध्य स्थापित कै गेल छल। अधिकारी कहब अछि जे राज्य सरकार दिल्ली क मूर्तिकार अनिल सुतार कए पिछले साल 40 करोड़ टका मे मूर्ति बनेबाक आडर देने अछि। इ मूर्ति तेजी स तैयार भ रहल अछि। लगभग 25 टन वजन क इ प्रतिमा अगिला मास पटना पहुंचत। अनिल क पिता राम सुतार अपन गांधी प्रतिमा लेल दुनिया मे जानल जाइत छथि, हुनकर बनाउल प्रतिमा 50 स बेसी देश मे प्रदर्शित कैल जा चुकल अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments