दूर होएत पे कमेटी क विसंगती

पटना। कर्मचारी कए छठम वेतन क लाभ देबाक लेल पे कमेटी क अनुशंसा स तमसाइल किछु सेवा क कर्मचारी कए सरकार आश्वस्त केलक अछि जे एकर विसंगती दूर कएल जाएत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलथि जे ओ अधिकारी कए निर्देश देलथि अछि जे एहि संबंध मे गप करबाक इच्छुक लोक स वार्ता करथि। मुख्यमंत्री स जखन एहि संबंध मे पूछल गेल त ओ कहलथि जे जरूरत पड़ल त सरकार तंत्र क सेहो गठन करत। हड़ताल पर आमादा कर्मी कए मुख्यमंत्री इ परामर्श देलथि जे काज क एहि सीजन मे काज करैत ओ अपन गप कहता त सरकार कए सुनबा मे सुविधा होएत। सरकार अपन कर्मी क हितैषी अछि आ हुनकर पूरा ख्याल राखत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments