दूनू ठाम खुलत केंद्रीय विश्वविद्यालय

3
9
esamaad maithili newspaper

नई दिल्ली | बिहार मे केंद्रीय विश्वविद्यालय आब मोतिहारी आ गया दूनू शहर मे खुलत। एहि पर केंद्र आ राज्य सरकार क बीच चलि रहल गतिरोध समाप्त भ गेल। मोतिहारी आ गया दूनू ठाम मे स एक ठाम मुख्‍यालय होएत आ दोसर ठाम परिसर। कतए मुख्‍यालय आ कतए परिसर एहि गप कए तय करबा लेल केंद्रीय मानव संसाधन मंत्री कपिल सिब्‍बल जल्‍द बिहार जेताह आ मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमार क संग बैसार क अंतिम फैसला लेताह। ओना बिहार क शिक्षा मंत्री पीके शाही क कहब अछि जे केंद्रीय मानव संसाधन मंत्री कपिल सिब्बल आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क बीच भेल बैसार मे सबटा गप तय भ चुकल अछि। आब केवल घोषणा बाकी अछि जे केंद्रीय विश्र्वविद्यालय क प्रशासनिक भवन कतए स्थापित कैल जाएत आ कुलपति क कार्यालय कतए राखल जाएत? शाही कहला जे बिहार सरकार केंद्रीय विश्र्वविद्यालय लेल मोतिहारी आ गया दूनू ठाम मुफ्त जमीन उपलब्ध करा देलक अछि। इ पूछला पर जे की राज्य सरकार प्रशासनिक भवन गया मे बनेबा लेल तैयार अछि? शाही कहला जे हम चाहब जे ओ मोतिहारी मे बनए, किया कि 2010 मे सबस पहिने केंद्र ओतहि केंद्रीय विश्र्वविद्यालय खोलबाक संबंध मे सहमति देने छल। हालांकि इ कोनो बहुत पैघ मसला नहि अछि। बिहार मे केंद्रीय विश्र्वविद्यालय क विवाद पिछला कई मास स केंद्र आ राज्य सरकार क बीच प्रतिष्ठा क प्रश्न बनल छल। जे आब खत्‍म भ गेल।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page

3 COMMENTS

  1. एकरा कहै छै लिज्झर लगेनाइ ।

    ग्रीष्मकालीन राजधानी पटना मे आ शीतकालीन राँची मे ।

    आ तहिना ग्रीष्मकालीन राजधानी काश्मीर मे आ शीतकालीन जम्मू मे ।

  2. मुदा वर्तमान बिहार क दोसर पोघ शहर भागलपुर तेसर मुजफ्फरपुर आ चारिम दरभंगा में किछु नहीं खुजाय कारण ओ मिथिलामे रहबे करत आ जेना सिंदरी, नेतार्हत आदि झारखण्ड के भेटी गेलिक ई सब बिहारमें रही जाओ
    दुखद स्थिति अछि मिथिलाक नेता आ छात्र समुदायक

Comments are closed.