दुष्कर्म करि महिला कए जरा देनिहार मनसे नेता छथि

मुंबई। देश क आर्थिक राजधानी मुंबई क एनटॉप हिल मे एकटा महिला क संग गैंगरेप क बाद ओकरा जिंदा जरेबाक शर्मनाक घटना सामने आयल अछि। पुलिस एहि मामला मे चारिटा आरोपी कए गिरफ्तार कैल गेल अछि। महिला क संग दुष्कर्म करैयवाला चारिटा मे स एकटा राज ठाकरे क मनसे पार्टी क नेता अछि। एंटॉप हिल इलाका मे मनसे क उप शाखा प्रमुख शंकर मुदलियार कए पुलिस गिरफतार करि लेलक अछि। ओ महिला क संग सामूहिक दुष्कर्म करबाक बाद ओकरा जरेबा मे सेहो शामिल छलाह। मुंबई जोन-4 क डीसीपी प्रेस कॉन्फ्रेंस मे एहि घटना क पुष्टि करैत कहला जे पुलिस मामलाक छानबीन करि रहल अछि। महाराष्टï्र चुनाव स ठीक पहिने मनसे लेल इ एकटा पैघ झटका अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments