दुबई जाएत मिथिलाक मकई

मुजफ्फरपुर । लीची क बाद आब मिथिलाक स्वीट कार्न (मक्का) क देश दुनिया मे अलग पहचान होएत। मिथिलाक मकई कए दुबई पठेबाक तैयारी कैल जा रहल अछि। लीचिका इंटरनेशनल क संचालक केएन ठाकुर क कहब अछि जे ओ महाराष्ट्र मे पैघ पैमाना पर स्वीट कार्न कए खरीद क प्रोसेसिंग क बाद दुबई क सं गसंग भारत क विभिन्न महानगर मे आपूर्ति करैत छथि। आब ओ मिथिला क मकई कए दुबई तक पठेबा लेल तैयार छथि। कच्चा दाना छुड़ेबा क मशीन मुजफ्फरपुर मे लगा देल गेल अछि। उद्यान रत्न भोलानाथ झा स्वीट कार्न क सफल खेती क इलाका मे रोल मॉडल बनि चुकल छथि। लीचिका इंटरनेशनल क मदद स मकई कए डिब्बा बंद कैल जा रहल अछि। डिब्बा बंद भेलाक बाद उत्पाद कए नव रूप मे बाजार मे उतारल जाएत। एहि संबंध मे जानकारी दैत भोलानाथ झा कहला अछि जे ओ जखन एकर पहिल बेर खेती केलथि त किया त मन मे भय छल, मुदा सजग रहबा स उपज नीक भेल। बीज पर कंपनी कनि आओर ध्यान देत त किसान कए आओर लाभ भेटत।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments