दुनिया मानि रहल अछि आब आर्थिक क्षेत्र मे बिहार क लोहा: सिन्हा

पटना। भारतीय प्रतिभूति एवं विनिमय बोर्ड सेबी, क अध्यक्ष चयनित वरिष्ठ अधिकारी यूके सिन्हा कहला अछि जे बिहार क आर्थिक उदय क लोहा आइ दुनिया मानि रहल अछि। मुख्यमंत्री कन्या सुरक्षा योजना उपलब्धि समारोह मे सिन्हा कहला जे बिहार मे निवेश क संबंध मे वैश्विक रेटिंग करनिहार संस्था सीएलएसए अपन ताजा सर्वेक्षण मे बिहारक सामाजिक आर्थिक विकास पर अपन मुहर लगा देलक अछि। ओ कहला जे महिला आ बालिका क विकास स संबंधित योजना सहित आठटा कार्यक्रम कए सीएलएसए अपन सूची मे स्थान देलक अछि आ एकर प्रगति पर संतोष जतेलक अछि।  सिन्हा कहला जे वैश्विक अर्थव्यवस्था क बारे मे रेटिंग करैवाला इ संस्था मानलक अछि जे राज्य मे सरकार क प्रयास स सामाजिक विकास क सूचक पर नीक प्रभाव पड़ल अछि। एहि मौका पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सिन्हा कए सेबी क आगामी अध्यक्ष क रूप मे कार्यकाल क लेल शुभकामना दैत कहला जे हुनका आशा अछि जे एहि पद पर रहैत सिन्हा बिहार कए सेहो कारोबारी जगत मे भागीदारी दियेबा मे मदद करताह। गौरतलब अछि जे सिन्हा फरवरी क अगिला सप्ताह सेबी क अध्यक्ष पद क कार्यभार लेताह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments