दुनियाँ के टाप-2000 लिस्टेड कंपनी सबमें भारत के 58

फोर्ब्स क सूची : टाप-10 भारतीय कंपनी सबमे तीनटा पेट्रोलियम कंपनी आ तीनटा बैंक शामिल अछि

समदिया
न्यूयॉर्क । दुनि‍याँ क पैघ लिस्टेड 2000 कंपनी सबमें भारत क 58 कंपनी कए जगह भेटल अछि । अमेरिकी बिजनस मैगजीन फोर्ब्स क 2018 क ‘ग्लोबल 2000’ सूची सँ ई जानकारी सोझा आएल अछि । पि‍छला साल सेहो एहि सूची मे भारतीय कंपनी क संख्या एतबे छल । लिस्ट मे शामिल भारतीय कंपनी सबमे बैंक आ पेट्रोलियम कंपनी क प्रभुत्व अछि ।

टाप-10 भारतीय कंपनी सबमे तीनटा पेट्रोलियम कम्पनी शामिल अछि। सूची मे मुकेश अम्बानी क रिलायंस इन्डस्ट्रीज(आरआईएल) कए 23 पायदान क सुधारक संग 83वाँ स्थान भेटल अछि । ओ पछिला साल 106वाँ स्थान पर छल । आरआईएल सबसँ बेसी मूल्यवान भारतीय कंपनी क तौर पर कायम रखलक । मार्केट कैप बढ़िकय 93.1 अरब डॉलर भए गेल अछि । एचडीएफसी बैंक भारतीय कंपनी सबमे दोसर स्थान पर अछि ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments