दीदी रेल बजट मे बिहार संग अन्याय केलथि : शाहनवाज


नई दिल्ली। भागलपुर स सांसद आ पूर्व केन्द्रीय मंत्री शाहनवाज हुसैन आई लोकसभा मे कहला जे दीदी रेल बजट मे बिहार क संग ‘अन्याय’ केलथि अछि। ओ कहला जे संयुक्त प्रगतिशील गठबंधन सरकार स रेलवे क आधुनिकीकरण आ विस्तार क काज नहि भ पाबि रहल अछि। दीदी खाली घोषणा करि रहल छथि। हुसैन रेल बजट क अनुदान मांग पर चर्चा क शुरुआत करैत इ गप कहलाह। ओ कहला जे रेल मंत्री बिहार क संग एहन व्यवहार किया करि रहल छथि, बुझबा मे नहि आबि रहल अछि। बिहारक कईटा रेल परियोजना पर काज नहीं भ रहल अछि। बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो रेल मंत्री कए पत्र लिखने छलाह, मुदा सबटा काज अधूरे पड़ल अछि। ओ कहला जे केवल बिहार नहि कईटा आओर राज्य मे रेल परियोजना क काज अधूरे पड़ल अछि। मसलन जम्मू-कश्मीर मे रेलवे मार्ग क काज सुस्त अछि। हुसैन कहला,’हम चाहैत छी जे ममता बनर्जी मात्र बंगाल क मंत्री क रूप मे नहि बल्कि देश क मंत्री क रूप मे जानल जाएथि।Ó ओ कहला जे रेलवे क बुनियादी ढांचा कए मजबूत करब आ पटरी क विकास आ विस्तार क जरूरत अछि। राजग शासनकाल मे एकरा लेल तत्कालीन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार 17000 करोड़ क योजना बनेने छलाह, मुदा आइ कोनो काज नहि भ रहल अछि। ओ कहला जे बनर्जी क 250 स 350 किलोमीटर क रफ्तार स ट्रेन चलेबाक घोषणा क की भेल। आइ पटरी ओकर आधो सहबा योग्य नहि अछि। हुसैन कहला जे रेल मंत्रालय अपन काज छोडि़ कए बाकी सबटा काज करि रहल अछि। ओ स्कूल, मॉल, अस्पताल आओर न जाने की-की खोलबाक घोषणा करि रहल अछि, मुदा रेलक विकास पर कोनो काज नहि भ रहल अछि। भागलपुरक सांसद रेलगाड़ी मे सांसद क आरक्षण मे सेहो गड़बड़ीक शिकायत रेलमंत्री स केलथि। ओ कहला जे रेलवे सुरक्षा, यात्री क सुविधा आ खान-पान पर सेहो ध्यान नहि देल जा रहल अछि। ओ पटना रेलवे स्टेशन क सामने प्रथम राष्ट्रपति डॉ राजेंद्र प्रसाद क प्रतिमा लगेबाक मांग करैत नौगछिया मे किछु ट्रेनक ठहराव क मांग केलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments