दिसंबर तक पूरा होएत जयनगर स वर्दीवास क बीच रेललाइनक निर्माण

दरभंगा आ रक्‍सौल क बीच ट्रेनक परिचालय मार्च स, भेटत दूटा अतिरिक्‍त ट्रेन
एहि साल शुरू होएत दोनार मे उत्‍तर बिहार सबस पैघ आरओभी क निर्माण

दरभंगा । भारत आ नेपालक बीच रेल संबंध कए मजबूत करबा लेल कैल जा रहल रेल पटरीक आमान परिवर्तनक काज अगिला वित्‍त वर्ष मे पूरा क लैल जाएत। पूर्व मध्य रेल महाप्रबंधक मधुरेश कुमार कहला अछि जे भारत और नेपालक बीच जयनगर स वर्दीवास क बीच भ रहल रेललाइनक निर्माण एहि साल पूरा क लेल जाएत। वार्षिक निरीक्षण क क्रम मे दरभंगा जंकशन पहुंचल श्री कुमार पत्रकार सब स गपशप करैत कहला जे फरवरी मे रक्सौल रेलखंड क आमान परिवर्तन क काज पूरा क लेल जाएत। उम्मीद अछि जे मार्च तक ट्रेन क आवागमन आरंभ भ जाएत। ओ कहला जे एहि रेलखंड पर ट्रेनक परिचालन शुरू भेला पर दरभंगा स चारिटा अतिरिक्‍त एक्सप्रेस क आवागमन आरंभ भ जाएत। संगहि तीनटा सवारी गाड़ीक सेहो शुरूआत होएत। एहि स दरभंगा क लोक कए काफी सुविधा भेटत। मालूम हो जे रेल बजट मे एहि रेलखंड लेल ट्रेनक घोषणा भ चुकल अछि। पहिल दरभंगा-अजमेरशरीफ आ दोसर रक्सौल-हावड़ा। एहि दूनू ट्रेनक परिचालन आमान परिवर्तन क कारण दू साल स अटका अछि। कर्मभूमि आ हैदराबाद एक्सप्रेस सेहो दरभंगा स रक्‍सौल तक जाएत। जीएम कहला जे एक –एक क ट्रेनक परिचालन शुरू कैल जाएत। श्री कुमार कहला जे ओ दरभंगा मे जाम क समस्‍या कए निराकरण लेल चिंतित छथि। ओ कहला जे उत्‍तर बिहारक सबस पैघ आरओभी क निर्माण दरभंगा मे प्रस्‍तावित अछि आ एहि साल तक दोनार मे एकर निर्माण शुरू भ जाएत।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

Comments are closed.