दिल्‍ली पहुंचल बिहार क सुधा

दिल्ली मिल्क स्कीम(डीएमएस) क अधिग्रहण लेल बिहार आ गुजरात मे मुकाबला
दिल्‍ली मे एखन दूध आ मिठाई, धी किछु दिन बाद
नई दिल्ली।
बिहार राज्य दुग्ध सहकारी संघ (कॉम्फेड) अपन नजरि दिल्ली मिल्क स्कीम (डीएमएस) पर टिका देलक अछि। इ कंपनी सुधा ब्रांड क तहत दूध आ दुग्ध उत्पाद क बिक्री करैत अछि। राज्य सरकार डीएमएस पर कब्जा जमेबा लेल केंद्र लग अपन दावा पठेलक अछि। एकर संचालन कृषि मंत्रालय क अधीन अछि। सोमदिन कॉम्फेड दिल्ली आ एनसीआर क लोक लेल सुधा ब्रांड क दूध आ मिठाइ लांच केलक अछि।
सुधा दूध क तीनटा किस्म सुधा गोल्ड (फुल क्रीम), सुधा हेल्दी (टोंड) आ सुधा स्मार्ट (डबल टोंड) पेश कैल गेल अछि। तीनू किस्म एक लीटर आ आधा लीटर क पैक मे उपलब्ध अछि। फुल क्रीम क दाम 40 टका प्रति लीटर, टोंड क 30 टका आ डबल टोंड क दाम 26 टका प्रति लीटर अछि। कॉम्फेड क प्रबंध निदेशक हरजोत कौर कहलथि जे कंपनी अपन मिठाइ आ दूध क बिक्री लेल डीएमएस क बिक्री नेटवर्क कए किराया पर लेबाक प्रयास सेहो क रहल अछि। राज्य सरकार दिस स डीएमएस कए कीनबा लेल केंद्र लग आवेदन क देल गेल अछि।
डीएमएस एखन भारी घाटा मे चलि रहल अछि। एकर क्षमता रोजाना पांच लाख लीटर दूध उत्पादन आ पैकेजिंग क अछि। मुदा इ मात्र ढाई लाख लीटर क उत्पादन क रहल अछि। एकर अलावा दिल्ली मे एकर 1298 बूथ अछि। अमूल ब्रांड क तहत दूध क बिक्री करनिहार गुजरात सहकारी दुग्ध विपणन संघ सेहो डीएमएस क अधिग्रहण करबाक प्रस्ताव केंद्र कए देलक अछि।
कौर कहलथि जे कंपनी अपन उत्पाद क स्वाद आ शुद्धता क बल पर राजधानी क उपभोक्ता कए रिझेबाक प्रयास करत। शुरुआती दौर मे दिल्ली मे कंपनी दू लाख लीटर दूध रोजाना बेचत। कंपनी कए मिठाइ क सेहो भारी ऑर्डर भेट रहल अछि। दूध आ मिठाइ क साथ कंपनी एहि ठाम देसी घी क बिक्री सेहो शुरू करत। फिलहाल एकर उत्पाद राजधानी क किराना दुकान पर उपलब्ध अछि। एकटा सवाल क जवाब मे कौर कहलथि जे दिल्ली मे दूध क कुल मांग क आधा हिस्सा संगठित कंपनी सब पूरा क रहल अछि। एहि ठाम दूध कारोबार क संभावना बहुत अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. Bahut khus ke baat apan mati-panik dukh aur mithai khewak moka bhetat khas kay ke okar Peda aur Gulab jamun ke hamar bachha bahut pasant karait achhi.

Comments are closed.