दिल्ली हाट जेकां बिहार मे सेहो पटना हाट

0
3
esamaad maithili newspaper

पटना । बिहार क कलाकार लेल इ एकटा सुखद समाद अछि । आब पटना मे सेहो दिल्ली हाट क तर्ज पर पटना हाट खुलि गेल। बिहार मे हस्तशिल्प कला कए बढ़ावा देबा लेल राज्य सरकार इ ख़ास पहल केलक अछि । हस्तशिल्प कलाकार सब कए बाजार उपलब्ध करेबा लेल पटना क उपेन्द्र महारथी संस्थान मे पटना हाट क निर्माण कैल गेल अछि । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहि पटना हाट क उद्घाटन केलथि अछि । एहि नवनिर्मित पटना हाट क सुसज्जित दुकान सब मे अहां कए मिथिला पेंटिंग, सिक्की शिल्प, टेराकोटा शिल्प, मृणमय शिल्प, टिकुली कला, जड़ी शिल्प, एपलिक/कसिदा, कास्ठ कला आ पाषण शिल्प कला, बुनाई शिल्प क कलाकार क एक स बढि कए एक कलाकृति देखबा आ कीनबा लेल भेटत ।

पटना हाट क निर्माण 2 करोड़ 42 लाख क लागत स 8000 सक्वायर फुट मे कैल गेल अछि । एहि ठाम  करीब 25टा दुकान एहन उपलब्‍ध अछि, जे विभिन्न कलाकार कए एकटा ख़ास अवधि लेल दे ल जा रहल अछि। एहि ठाम कलाकार अपन कलाकृति क प्रदर्शनी आ बिक्री क सकतथि । आमतौर पर एहन खरीदारी लेल लोक कए कोनो मेला या ख़ास आयोजन क आस रहैत छल, मुदा आब पटना हाट मे सब दिन इ उपलब्‍ध रहत । ई हाट खुजि जेबा से एता हरेक दिन लोग आर्ट आ क्राफ्ट कीन सकत ।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page