दिल्ली मेट्रो सन बनत बांकीपुर डिपो

पटना। बिहार राज्य पथ परिवहन निगम आमदनी बढ़ाब क हर उपाय करि रहल अछि। एकरा लेल निगम प्रशासन जर्जर भ चुकल बांकीपुर डिपो कए बहुउद्देशीय भवनक रूप मे विकसित करबाक योजना बना रहल अछि, जे दिल्ली मेट्रो स्टेशन सन देखबा मे लागत। निगम प्रशासन क योजना सूबा क तमाम डिपो आ स्टैंड कए विकसित करबाक अछि, मुदा शुरुआत बांकीपुर स कएल जाइत। एकरा बेंगलुरु आ चेन्नई क सरकारी बस स्टैंड क तरह विकसित करबाक परिकल्पना अछि।
अधिकारी क मुताबिक निगम क तमाम डिपो आ स्टैंड खाली आ खस्ताहाल अछि। एहि स कोनो तहक आमदनी नहि भ रहल अछि। एहि लेल निगम पूर्व मे एहि स्टैंड कए निजी संचालक कए किराया पर देबाक फैसला लेने छल। आब एकरा विज्ञापन साइट क रूप मे विकसित करबाक तैयारी अछि। मालूम हुए जे बांकीपुर डिपो कए बेंगलुरु आ चेन्नई क डिपो तरहक विकसित करबाक योजना चलि रहल अछि। जाहि विज्ञापन कंपनी कए डिपो सौंपल जाएत, ओ कंपनी एहि डिपो कए विज्ञापन साइट क रूप मे विकसित करत। निगम प्रशासन सेहो गांधी मैदान क करीब एतबा पैघ विज्ञापन साइट क आर्थिक अहमियत कए बुझि रहल अछि। साइट लेनिहार कंपनी निगम कए वार्षिक शुल्क देबा क संग-संग पूरा परिसर क देख-रेख, साफ-सफाई, पेयजल, शौचालय क निर्माण, प्रकाश क समुचित व्यवस्था सेहो करत। किछु स्टॉल बनाउल जाइत, जे निजी संचालक कए सौंपल जाइत। एतय एटीएम लगाउल जाइत। एतबे नहि बहुमंजिला मल्टीप्लेक्स मे निजी कंपनी कए दफ्तर खोलबाक लेल जगह देबाक योजना सेहो अछि। मालूम हुए जे बांकीपुर डिपो मे पूर्व मे जिला परिवहन कार्यालय चलि रहल छल। बिस्कोमान मे स्थानांतरित भेलाक बाद स इ जगह बेकार पड़ल छल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments