दिल्ली पहुंचल बिहार क हुनर

नई दिल्ली । बिहारी क हुनर पर चाहे शीला जी किछु कहथि, मुदा बिहारक हुनर कए अपना ओ इ साबित करि देलथि जे बिहारक योजना कामयाबी क नव इबारत लिखबा योग्य अछि। एहि कारण स एनआईओएस क हुनर प्रोग्राम आब दिल्ली आबि गेल अछि। एहि हुनर प्रोग्राम मे मुस्लिम लडकी सब कए अपन पैर पर ठार करबा लेल मुफ्त व्यावसायिक ट्रेनिंग दैल जाइत अछि। मानव संसाधन मंत्री कपिल सिब्बल क उपस्थिति मे शीला दीक्षित एहि कार्यक्रम कए दिल्ली मे शुरूआत केलथि।
एनआईओएस क चेयरमैन डॉक्टर सितांशु शेखर जैना कहला जे मुस्लिम बच्चा कए आत्मनिर्भर बनेबा लेल इ प्रोग्राम कए 2008 मे बिहार मे शुरू कैल गेल छल। पहिल साल एहि प्रोग्राम मे 20 हजार बच्चा कए लाभान्वित करबाक लक्ष्य राखल गेल छल। बिहार क अलग-अलग हिस्सा स 14 साल स ऊपर क लड़की कए चिह्नित करिकए हुनका कढ़ाई, सिलाई-बुनाई, कटाई, ग्राम सखी, बेसिक कंप्यूटिंग, सौंदर्य संवर्धन आदि क मुफ्त ट्रेनिंग देल गेल। ट्रेनिंग खत्म भेलाक बाद हुनका सर्टिफिकेट आ वजीफा सेहो देल गेल। एहि कार्यक्रम क सफलताक अंदाजा एहि स लगाउल जा सकैत छी जे दोसर साल भारी भीड़ कए देखैत टारगेट पॉपुलेशन कए बढ़ाकए 50 हजार करि देल गेल अछि।
दिल्ली बिहारक बाद दोसर एहन राज्य अछि जाहि ठाम इ प्रोग्राम शुरू भेल अछि। एहि योजना क तहत दिल्ली क उस्मानपुर, सीलमपुर, ओखला, जाकिरनगर, दरियागंज, चांदनी चौक जइसन मुस्लिम बहुल इलाका मे सक्रिय एनजीओ कए आर्थिक मदद दकए ट्रेनिंग प्रोग्राम शुरू कैल जा रहल अछि। बिहार क भांति एहि ठाम सेहो नामांकण निःशुल्क अछि। फिलहाल दिल्ली क लेल कोनो सीमा तय नहि कैल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments