दियारा मे भेटत गोवाक आनंद

पटना। पर्यटक क मामला मे बिहार दू साल पहिने गोवा कए पाछु छोडि चुकल अछि। आब पटनाक सुनसान दियारा गोवा क आनंद देबा लेल तैयार अछि। पटनाक एकटा नव रूप दुनियाक सामने आबि गेल अछि जे कोनो नजरि स गोवाक मस्‍ती स कम नहि अछि। गोवा क अनुभव कए देखैत बिहार सरकार एहि ठाम लेल सुरक्षा क सख्‍त व्यवस्था केलक अछि। एकर अंदाजा एहि स लगाएल जा सकैत अछि जे दियारा क क्षेत्र सारण जिला मे अछि मुदा केवल सारण पुलिस एकर सुरक्षा नहि देखत। एकर सुरक्षा लेल विशेष तौर पर पटना क एसएसपी कए निर्देश देल गेल अछि।
उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी रविदिन कालीघाट क सामने दियारा पर नवनिर्मित फूडकोर्ट, वाटर स्पोटर््स आ अन्य पर्यटकीय सुविधा क शुभारंभ केलथि। एहि अवसर पर मोदी कहला जे कईटा राज्य नदी क कछैर कए विकसित करि पर्यटक कए आकर्षित करि रहल अछि। हम गंगा क दियारा क इस्तेमाल करि राजधानी क लोक कए एकटा बेहतर स्थल उपलब्ध करा देलहुं अछि। ओ कहला जे एकर सदुपयोग हेबाक चाही। मोदी कहला जे बिहार में पर्यटक क संख्या तेजी स बढि रहल अछि। एहि साल ठंड क मौसम में दियारा भ्रमण एकटा नव तरहक आनंद देत।ओ कहला जे शहर क भीड़-भाड़ स दूर लोक एहि ठाम परिवार संग मस्ती करि सकैत छथि।
मोदी कहला जे सरकार केवल पटना तक नहि संपूर्ण बिहार कए विहार योग्‍य बनेबा मे लागल अछि। नवादा जिला में ककोलत जलप्रपात कए रमणीय स्थल क रूप में विकसित कैल जा रहल अछि। राजगीर में नव झूला आ मृग विहार, घोड़ा कटोरा क विकास भ रहल अछि। वाल्मिकी व्याघ्र परियोजना में पर्यटक कए भ्रमण लेल सुविधा बढाउल जा रहल अछि। पर्यटन मंत्री सुनील कुमार पिंटू कहला जे एहि ठाम खेलकूद आ खानपान क व्यवस्था अछि। ओ कहला जे एहि ठाम ऊंट क सवारी, स्पीड बोर्ड राइड, जेटस्की राइड, प्ले एक्टिविटी, एयर माडलिंग शो आदि क व्यवस्था अछि। एयर माडलिंग शनि आ रविदिन उपलब्ध रहत। ऊंट क सवारी फिलहाल चालू नहि भेल अछि। एहि स्‍थल पर एबा लेल कोनो व्‍यक्ति कए बिहार राज्य पर्यटन विकास निगम क फ्लोटिंग रेस्तरां स 100 टका खर्च पर दियारा पहुंचए पडत। एहि ठाम एबा लेल गांधीघाट आ कालीघाट स सामान्य नाव सेहो उपलब्ध अछि। इ मात्र 20 टका प्रति व्यक्ति किराया पर अहां कए दियारा पहुंचा देत आ वापस सेहो आनत। फ्लोटिंग रेस्तरां गांधीघाट स दिन मे 12 बजे खुलैत अछि। इ हर डेढ़ घंटा पर उपलब्ध रहैत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

4 टिप्पणी

  1. Patna me ye huaa , patna ye o huaa ,sun sun ke thak gaya hu jaise lagta hai bihar sirf patna me hi simmat ke rah gaya hai , patna ke bahar ja ke dekho NH ke siwa wahi 25 saal purana tasweer hai , kya usko badane ki responcibility bihar sarkar ka nahi hai , agar nahi hai to hame lag raha hai uska aawaaz sahi hai jo mithila rajya alag chahate hai

  2. पहिने दक्षिण बिहार मे मात्र विकास होइत छल , आ एहि सरकार मे पुनः आजुक दक्षिण बिहारमे । कि मात्र बिहार एत धरि मात्र सीमित अछि तखनि हमरा सभ कें कम सँ कम अपन पाँजि सं मुक्त क दिअ आ हमहुँ सभ कहि सकी जे मिथिला मे ई भ रहल अछि । कारण पानिक प्रकोप सहबाक लेल हमसभ आ अर्थ बटोरबाक समय दोसर कियो ई कोन न्याय।

  3. Atul babu bahut neek sawal uthelhu, chahe te mithilak vikas kayal jay anytha hamra sabke alag kay del jay ham sab dosarak bharose kahi dhari rahab.

  4. sab s pahil bat achhi ki mithila nagri me mangroni awasthit heart hospital banal tahi s mithila sang apan rajy ke wikash seho bhel
    apan mithila ke aagu badhabu or sab apna ap me mili juli k wikash karu.

Comments are closed.