दादर कोल्हुआ क मुखिया न्यूयार्क मे देतीह व्याख्यान

मुजफ्फरपुर । कांटी प्रखंड क दादर कोल्हुआ पंचायत क मुखिया अमिता देवी महिला अधिकार आओर पंचायत क विकास क कहानी सुनेबा लेल अमेरिका क न्यूयार्क शहर जेतीह। मुखिया क वीजा बनेबाक प्रक्रिया चलि रहल अछि। पंचायत मे शिक्षा क अलख जगौनिहारि अमिता महिला उत्पीड़न क खिलाफत लेल जानल जाइत छथि। हुनकर पहल स 180 निरक्षर महिला साक्षर भ चुकली अछि। हुनकर पंचायत मे चारिटा प्राथमिक विद्यालय अछि, ओहि मे स दूटा कए मध्य विद्यालय क दर्जा भेटल अछि आ एकटा नव विद्यालय खोलबाक दिशा मे काज चलि रहल अछि। अमिता कहैत छथि जे ओ पंचायत शिक्षक क नौकरी छोड़िकए गाम-समाज क मांग पर 2006 मे पंचायत चुनाव लड़लथि। ओकर बाद ओ गाम मे महिलाक विकास लेल चलि रहल योजनाक जानकारी ल ओकरा क्रियान्वित केलथि जाहि स आइ हुनका न्यूयार्क जेबाक अवसर भेटल अछि। ओहि ठाम आयोजित समारोह मे ओ देश क प्रतिनिधित्व करतीह। ओतए अलग-अलग देश क एक हजार प्रतिनिधि पहुंच रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments