दलाई लामा क दौरा क मद्देनजर बोधगया मे सुरक्षा बढ़ल


पटना। तिब्बती धर्म गुरु दलाई लामा क बोधगया दौरा क मद्देनजर एहि ठाम सुरक्षा व्यवस्था बढ़ा देल गेल अछि। दलाई लामा चारि जनवरी कए बोधगया पहुंचतथि। ओ एहि ठाम एक हफ्ता तक रुकतथि। तिब्बती मठ क तेनजिंग लामा कहलथि जे दलाई लामा बोधगया स्थित महाबोधि मंदिर मे पूजा करतथि। दलाई लामा क दौरा कए देखैत बोधगया मे सुरक्षा व्यवस्था बढ़ा देल गेल अछि। लामा पांच स नौ जनवरी तक एहि ठाम एकटा कार्यक्रम मे हिस्सा लेतथि आ ओ बौद्ध भिक्षु कए संदेश देतथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments