दलाईलामा 27 मई कए करताह बुद्ध पार्क क उद्घाटन

पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे राजधानी पटना कए महत्वपूर्ण पर्यटन स्थल क रूप मे विकसित कैल जा रहल अछि। कुमार उद्यमी पंचायत कए संबोधित करैत कहला जे पटना क बेली रोड मे अंतरराष्ट्रीय स्तर क संग्रहालय क निर्माण भ रहल अछि। जाहि ठाम पर्यटक आबि कए बिहार क विरासत आ इतिहास मे हेरा जेताह। ओ कहला जे एकर अलावा 150 करोड़ टका स 22.04 एकड़ जमीन मे बुद्ध स्मृति पार्क क निर्माण चलि रहल अछि आ एहि पार्क मे एकटा पैघ स्तूप बनाउल जा रहल अछि, जे भगवान बुद्ध क 2550म महापरिनिर्वाण क प्रतीक होएत। मुख्यमंत्री कहला जे पार्क मे स्तूप क निकट मेडिटेशन सेंटर क निर्माण आ भगवान बुद्ध क 49 फीट ऊंच प्रतिमा सेहो स्थापित कैल जा रहल अछि। ओ कहला जे बुद्ध परंपरा क अनुसार स्तूप मे भगवान बुद्ध क अवशेष राखल जाइत आ एकरा लेल परम पावन तिब्बती धर्मगुरु दलाईलामा स अनुरोध कैल गेल अछि। धर्मगुरु दलाईलामा 27 मई कए बुद्ध पूर्णिमा क दिन एहि पार्क क उद्घाटन करताह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments