दलाईलामा कए न्योत देबा लेल नीतीश पहुंचलाह धर्मशाला


धर्मशाला। पटना मे 200 करोड़ लागत स बनि रहल महात्मा बुद्ध क प्रतिमा क अनावरण क न्योता देबा लेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार रविदिन धर्मशाला पहुंचलाह। मूर्ति क अनावरण 27 मई कए होइत। धर्मशाला पहुंचैत ओ स्पष्ट करि देलथि जे हुनकर इ यात्रा गैर राजनीतिक अछि। ओ कहला जे ओ दलाईलामा कए औपचारिक निमंत्रण देबा लेल एलाह अछि। बुद्धा पार्क स बौद्ध दर्शन कए बढ़ाबा देबाक प्रयास कैल जाइत आ एहि स बिहार मे पर्यटन कए सेहो बल भेटत। शहर क बीचो—बीच बांकीपुर जेल परिसर क 20 एकड़ क्षेत्र मे एहि पार्क क निर्माण भ रहल अछि।
एहि पार्क मे महात्मा बुद्ध क 49 फुट लंबा प्रतिमा स्थापित भ रहल अछि। एकर अतिरिक्त पार्क मे महात्मा बुद्ध क जीवन स संबंधित वस्तुकए संरक्षित करबा लेल म्यूजियम क निर्माण सेहो भ रहल अछि। सोमदिन नीतीश कुमार धर्मगुरु दलाईलामा स भेंट केलाह आ हुनका निमंत्रण देलाह अछि। दलाईलामा हुनकर न्योत स्वीकार करि बिहार एबाक आश्वासन देलथि अछि। एहि अवसर पर तिब्बत निर्वासित मंत्रिमंडल नीतीश कुमार क सम्मान मे रात्रिभोज क आयोजन केलक। जाहि मे हुनकर स्वागत तिब्बत निर्वासित सरकार क प्रधानमंत्री सामदोंग रिंपोछे आ मंत्रिमंडल सहयोगी केलथि।
नीतीश कुमार श्री चामुंडा नंदीकेश्वर धाम आ बज्रेश्वरी मंदिर कांगड़ा जा शीश नवाकर मां क आशीर्वाद सेहो लेलथि। नीतीश कुमार क धर्मशाला पहुंचला पर सबस पहिने जिला क प्रशासनिक अधिकारी हुनकर स्वागत केलथि। धर्मशाला सर्किट हाउस पहुंचला पर नीतीश कए राजकीय सम्मान क तहत पुलिस क टुकड़ी सलामी देलक।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments