दरमाहा लेल आब कर्ज नहि : मोदी

पटना । उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी आइ पेश भेल बजट कए 7088.59 करोड़ राजस्व बचत वाला बजट कहला। पत्रकार संग गप करैत मोदी कहला जे पिछला छह-सात साल स ओ राजस्व बचत क बजट पेश क रहल छथि। एकर साधारण अर्थ अछि जे सरकार एहि राशि क उपयोग विकास काज पर करि सकत आ ओकरा दरमाहा आ पेंशनादि लेल कर्ज लेबाक जरूरत नहि अछि। ओ कहला जे राज्य मे राष्ट्रीय जनतांत्रिक गठबंधन क सरकार बनला स पूर्व सरकार वेतन आ पेंशनादि लेल सेहो कर्ज ल रहल छल। मोदी कहला जे बजट मे राज्य योजना व्यय 28 हजार करोड़ क अछि जे पिछला साल स चारि हजार करोड़ बेसी अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments