दरभंगा समेत कईटा शहर लेल एफएम रेडियो क बाट साफ

नई दिल्ली । मंत्री सबहक उच्च अधिकार प्राप्त समूह (ईजीओएम) तेसर चरण मे 839 चैनल लेल एफएम रेडियो लाइसेंस क नीलामी क बाट साफ क देलक अछि। नीलामी प्रक्रिया एहि साल पूरा भ जाएत।  एहि नीलामी क बाद दरभंगा समेत एक लाख स बेसी आबादी बला सबटा शहर एफएम रेडिया सेवा क दायरा मे आबि जाएत। फिलहाल मात्र 86टा शहर मे एफएम रेडियो स्टेशन अछि। वित्त मंत्री बजट भाषण मे कहने छलाह ले निजी एफएम रेडिया सेवा कए देश क 294टा शहर मे विस्तार कैल जाएत। अगिला वित्त वर्ष 2013-14 मे 839 एफएम रेडियो चैनल क नीलामी होएत।

वित्त मंत्री क एहि घोषणा क आलोक मे सूचना आ प्रसारण सचिव उदय कुमार वर्मा पत्रकार सब स कहला अछि जे ईजीओएम  एफएम रेडियो क नीलामीलेल अनुरोध प्रस्ताव मे किछु बदलाव संग  मंजूरी द देलक अछि। आब मंत्रालय एकर नीलामी क बारे मे दिशानिर्देश जारी करबा मे लागल अछि।

स्पेक्ट्रम नीलामी समेत अन्य मुद्दा पर विचार लेल वित्त मंत्री पी चिदंबरम क अध्यक्षता मे अधिकार प्राप्त समूह क बुधदिन बैसार भेल छल। वर्मा कहला जे एहि साल सबटा 839 रेडियो स्टेशन क नीलामी पूरा क लेल जाएत।  ओ कहला जे एहि मंजूरी स देश मे 839टा नव रेडियो स्टेशन लागत आ एहि स सरकार कए 1,500 करोड़ टका क आय प्राप्त होएत। पहिल आ दोसर चरण क नीलामी स 31 मई 2011 तक सरकार कए एक मुश्त शुल्क, माइग्रेशन आ सालाना शुल्क समेत अन्य शुल्क स 1,733 करोड़ भेटल छल।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments