दरभंगा व राजगीर मे सेहो बिछबाक चाही गैस पाइप लाइन : नीतीश

बिहार मे गेल बिछाउत गैस पाइप लाइन, राज्य सरकार संग भेल समझौता
मुख्य मार्ग 
गया, रोहतास, औरंगाबाद आ कैमूर 
पहिल शाखा मार्ग
पटना, नालंदा, शेखपुरा, लखीसराय आ बेगूसराय (बरौनी) तक

सीएम रखलतथि प्रस्ताव
मुजफफरपुर, दरभंगा, भागलपुर, पूर्णिया, बोधगया, बिहारशरीफ आ राजगीर लेल

की होएत फायदा
बिहार मे लागि सकत गैस आधारित बिजली घर
चालू भ सकत बरौनी खाद कारखाना 
पाइप लाइन स भेट सकत एलपीजी
वाहन लेल भेट सकत सीएनजी

पटना : उत्तरप्रदेश क जगदीशपुर स पश्चिम बंगाल क हल्दिया तक नेचुरल गैस पाइप लाइन बिछेबाक काज लेल बिहार सरकार आ गैस आथोरिटी आफ इंडिया लिमिटेड क बीच बुघदिन एकटा समझौता पत्र पर हस्ताक्षर भेल। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क मौजूदगी मे गेल आ राज्य सरकार क उद्योग विभाग क बीच नेचुरल गैस पाइप लाइन बिछेबा क काज लेल  समझौता पत्र पर हस्ताक्षर कैल गेल । इ पाईप लाईन मुख्यत: बिहार क चारिटा जिला गया, रोहतास, औरंगाबाद आ कैमूर स गुजरत । गया स एकटा ब्रांच लाईन पटना, नालंदा, शेखपुरा, लखीसराय आ बेगूसराय होइत  बरौनी तक जाएत। । एकर संगहि सिटी गैस वितरण लेल एकटा ब्रांच लाईन आवश्यकता क अनुसार आ आर्थिक लाभ कए ध्यान मे रखैत एकरा पटना आ अन्य जिला मे विस्तारित कैल जाएत। एहि अवसर पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार  गेल क अध्यक्ष सह प्रबंध निदेशक बीसी त्रिपाठी स अनुरोध केलथि जे पटना क संग संग बिहार क प्रमुख शहर  मुजफफरपुर, दरभंगा, भागलपुर, पूर्णिया, बोधगया, बिहारशरीफ आ राजगीर कए सेहो  गैस पाईप लाइन स जोडबाक चाही। श्री कुमार कहला जे इ सब शहर महत्व क शहर अछि। एहि लेल एहि ठाम सिटी गैस सप्लाई समेत सीएनजी आधारित वाहन क दृष्टिकोण स काफी पैघ संख्या मे उपभोक्ता उपलब्ध अछि । गेल क अध्यक्ष सह प्रबंध निदेशक कहला जे संयुक्त उपक्रम क रूप मे गेल गैस आधारित विद्युत शक्ति केन्द्र क स्थापना लेल तैयार अछि। एहि पर मुख्यमंत्री एक हजार मेगावाट क गैस आधारित विद्युत शक्ति केन्द्र क स्थापना क दिशा मे अपेक्षित कार्रवाई करबाक  निर्देश राज्य क सचिव ऊर्जा संदीप पौण्ड्रीक कए देलथि अछि। एहि मौका पर  उद्योग आ आपदा प्रबंधन विभाग क मंत्री रेणु कुमारी कुशवाहा, विकास आयुक्त आलोक कुमार सिन्हा, योजना आ विकास विभाग क प्रधान सचिव विजय प्रकाश, पथ निर्माण क सचिव प्रत्यय अमृत आ ऊर्जा सचिव संदीप पौण्ड्रिक सेहो उपस्थित छलथि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments