दरभंगा लेल वाइपास योजना कए मंजूरी

3
2
esamaad maithili newspaper

पटना । दरभंगा शहर कए बहुत पुरान मांग कए पूरा करैत राज्‍य मंत्रीपरिषद वाइपास योजना कए मंजूरी द देलक। प्रधान सचिव (मंत्रिमंडल) रविकांत कहला जे नाबार्ड ऋण परियोजना क तहत दरभंगा जिला अंतर्गत एकमीघाट स खिरोई नदी क दाहिना तटबंध पर शोभन ग्राम मे पुल, पुलिया सहित 10.075 किलोमीटर पथ क निर्माण क स्वीकृति देल गेल अछि। एहि पर 72.77 करोड़ क खर्च आउत। इ दरभंगा शहर लेल बाइपास क काज करत। एकर चौड़ाई 12 मीटर होएत। 2013-14 तक निर्माण क काज पूरा करबाक लक्ष्य अछि। पटना स मधुबनी, सुपौल जेबा लेल आब दूरी कम भ जाएत।
एकरा संगहि समस्तीपुर आओर मुजफ्फरपुर मे नाबार्ड ऋण परियोजना क तहत सड़क आ पुल क दूटा योजना कए आओर स्वीकृति द देल गे अछि। नाबार्ड ऋण परियोजना क तहत समस्तीपुर जिला मे रोसड़ा- मोरवाड़ा पथ मे करेह नदी क कांकरघाट पर भू-अर्जन, पहुंच पथ सहित 30 करोड़ क लागत स आरसीसी पुल क निर्माण क स्वीकृति देल गेल अछि। मुजफ्फरपुर जिला क मोतीपुर प्रखंड मे अंजानकोट-भुरकुरवा घाट मे बूढ़ी गंडक नदी पर 23.66 करोड़ क लागत स उच्चस्तरीय आरसीसी पुल क निर्माण क स्वीकृति देल गेल अछि।
पटना मे साइंस सेंटर क निर्माण लेल सेहो जमीन हस्तातरण क प्रस्ताव कए मंत्रिपरिषद स मंजूरी भेट गेल। पटना सदर मे मौजा सैदपुर, मुसल्लह थाना अंतर्गत रिजनल साइंस सेंटर-साइंस सिटी क स्थापना लेल विज्ञान एवं प्रावैधिकी विभाग कए 15.56 एकड़ जमीन हस्तांतरित करबाक निर्णय पर मोहर लगा देल गेल अछि।
कैबिनेट क बैसार क बाद बाद खाद्य एवं उपभोक्ता संरक्षण विभाग क प्रधान सचिव शिशिर कुमार सिन्हा कहला जे राज्य सरकार गहूम कीनबा लेल राज्य वित्त निगम कए कार्यशील पूंजी क रूप मे 800 करोड़ टका आओर ऋण क रूप मे देत। खाद्य उपभोक्ता एवं संरक्षा विभाग क एहि संबंधित प्रस्ताव कए स्वीकृति प्रदान करि देलक अछि। सरकार आकस्मिकता निधि स 200 करोड़ टका कर्ज क मंजूरी पहिने द चुकल अछि। मुख्यमंत्री खाद्यान्न सुरक्षा क तहत सेहो 300 करोड़ टका उपलब्ध करा देल गेल अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page

3 COMMENTS

  1. Ahan sab bahut nik kaaj kai rahal chi. Apan maait-paine se dur rahait, ohithamam samachar saon awgat karawaik hetu koti koti dhanyabaad.

Comments are closed.