दरभंगा मे 28 योजना क शिलान्यास

सरिता सुमन
दरभंगा। दरभंगा नगर निगम क कैंपस मे उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी 13 करोड़ क लागत स चालू होबाक 24 शहरी योजना क शिलान्यास केलथि आ 78 अन्य योजना क आधारशिला रखलथि। एहि अवसर पर मोदी कहला जे पिछला तीन टा वित्तीय वर्ष मे बिहार सरकार दरभंगा नगर निगम कए 22 करोड़ टका देलक अछि। मोदी सेहो कहला जे योजना क क्रियान्वयन मे टका कोनो बाधक नहि होएत। मोदी सेहो कहला जे कोनो कीमत पर काज क गुणवत्ता ठीक होबाक चाहि नहि त सरकार कांट्रैक्टर खिलाफ एफआईआर दर्ज करवाएत। मोदी सेहो कहला जे शहर मे पानी जमा होव से निजात देबाक लेल सरकार ड्रेनेज सिस्टम बनाब क फैसला केलक अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments