दरभंगा मे साइकिल रेस 31 कए, तैयारी अंतिम चरण मे

दरभंगा। जिला स्थापना दिवस समारोह क तहत 31 दिसंबर कए आयोजित होइवाला साइकिल रेस प्रतियोगिता क तैयारी पूरा भ चुकल अछि। प्रतियोगिता ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय क खेल मैदान स शुरू होएत। पहिने प्रतिभागी कए एनएच 57 होइत सिमरी तक जेबाक छल आ फेर वापस खेल मैदान लौटबाक छल मुदा आब बेला मोड़ होइत काकरघाटी खरथुआ तक जेबाक निर्णय लेल गेल अछि। इ जानकारी आयोजन समिति क सदस्य नवीन सिन्हा देलथि अछि। दोसर दिस एहि आयोजन कए सफल बनेबा लेल जिलाधिकारी संतोष कुमार मल्ल स्वयं कमान थमने छथि। ओ मार्ग क निरीक्षण केलाक बाद आवश्यक निर्देश देलथि अछि। एहि बीच, प्रतियोगिता मे भाग लेनिहारक संख्या बढल जा रहल अछि। आवेदन देबाक अंतिम दिन तीन हजार स बेसी प्रतिभागी आवेदन जमा केलथि अछि। ओतहि आवेदन देबा लेल नेहरू स्टेडियम आ मिर्जापुर स्थित खेल घर मे आवेदक क भारी भीड़ क कारण कई टा लडकी आवेदन जमा नहि कए सकलीह।
ज्ञात हुए जे एहि प्रतियोगिता क महिला वर्ग मे प्रथम स्थान प्राप्त केनिहारि कए स्कूटी, दोसर स्थान वाली कए 15 हजार टका, तेसर स्थान वाली कए पांच हजार टका आ संात्वना पुरस्कार मे दू हजार टका नकद देल जाएत। तहिना पुरुष वर्ग मे प्रथम स्थान प्राप्त केनिहार कए बाईक, दोसर स्थान वाला कए 15 हजार, तेसर स्थान वाला कए पांच हजार आ संात्वना पुरस्कार मे दू हजार टका देल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments