दरभंगा मे शुरू भेल रिंग बस सर्विस

दरभंगा। पटना, गया आ मुजफ्फरपुर क बाद आब बिहार राज्य पथ परिवहन निगम दरभंगा मे सेहो रिंग बस सर्विस शुरू करि देलक। एहि सुविधा क उदघाटन मंत्री वृषण पटेल केलथि। शुरू में 15टा बस एहि मे शामिल कैल गेल अछि। भीड़ देखलाक बाद धीरे-धीरे एकर संख्या बढ़ाउल जाएत। लोक निजी भागीदारी (पीपीपी) क तहत परिवहन निगम दरभंगा में बस क परिचालन शुरू केलक अछि। दरभंगा मे इ सब पुरनका बस स्टेंहट अर्थात राजकुमारगंज स्थित बस पडाव स खुलि रहल अछि। एहि सेवाक शुरू भेला स एक बेर फेर आयकर चौराहा क रौनक बढि गेल। बस पडाव कैदराबाद गेला स इ इलाकाक वीरान भ गेल छल। एहि ठामक दुकानदार सबहक उत्सााह एक बेर फेर आसमान पर अछि। उदघाटन समारोह मे विधान पार्षद विनोद चौधरीक देरी स पहुंचब चर्च क गप बनल। पटना स पहुंचल श्री पटेल सेहो श्री चौधरी क देर स पहुंचबा पर चुटकी लैत कहला जे हम पटना स समय पर आबि गेलहुं मुदा चौधरी जी दरभंगा मे रहि कए समय पर नहि पहुंच सकलाह। ओना भाजपा क कईटा विधायक मंच पर देखबा मे नहि एलथि। मुदा दरभंगाक लोक अपन इ पुरान इच्छा। कए पूरा भेला स गदगद अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

3 टिप्पणी

  1. EE ring road seva ki shahar s bahar, jena bahera, benipur, supaul, kusheshwar, adi seho jayat ki? ring road ke paridhi ki thik? vistar sa janwak ichchha hoit aichh.

Comments are closed.