दरभंगा मे लागत सुलभ जल क पहिल विधिवत प्लांट

दरभंगा । सुलभ आंदोलनक जनक डॉ बिंदेश्वर पाठक एक बेर फेर बिहार स अपन नव खोज कए विधिवत शुरुआत करताह । डॉ पाठक सोमदिन दरभंगा मे आयोजित एकटा कार्यक्रम मे घोषणा केल‍थि जे पोखरी बा नदी जल कए शुद्ध पेयजल बनेबाक पहिल विधिवत प्लांट दरभंगा मे लागत । एहि प्लांट स मात्र 50 पाइ प्रति लीटर दर स गरीब बा आम लोक कए पेयजल उपलब्धं भ सकत । उल्लेंखनीय अछि जे एहि तकनीक क खोज लेल डॉ पाठक कए पिछला साल नोबेल क समतुल्य मानल गेल विश्व प्रसिद्ध पुरस्कार भेटल अछि । एहि तकनीक क प्रयोगशाला क रूप में भारत-बांग्लादेश सीमा पर अवस्थित आर्सेनिक ग्रस्त दूटा गाम कए चुनल गेल छल, जाहि ठाम इ तकनीक सफलता स काज क रहल अछि । श्री पाठक कहला जे आब सुलभ इ तकनीक आम लोक कए समर्पित करबा लेल तैयार अछि । करीब 12 लाख टका स तैयार एहि प्लांट स मात्र 50 पाइ प्रति लीटर क दर स शुद्ध पेयजल उपलब्ध भ सकत । उल्लेखनीय अछि जे एखन आम जनता कए एक लीटर शुद्ध पेयजल 12 से 15 टका मे भेटैत अछि । सुलभ जल क प्लांट लगला स एक लीटर बोतलबंद पेयजल मात्र 5 टका मे उपलब्ध भ सकत । डॉ पाठक कहला जे सुलभ मात्र तकनीक प्रदान करत, एहि प्लांट क संचालन स्थानीय समिति या समूह क हाथ रहत, किया त सुलभ सिद्धांतत: जल बेचबाक खिलाफ अछि । डॉ पाठक कहला जे मोदी सरकार आइ सूचिता पर बहुत ध्यान द रहल अछि । मिथिला क एकटा पहचान एकर सूचिता रहल अछि । सूचिता लेल शौचालय बहुत जरुरी अछि । सुलभ आंदोलन आइ एहि मे अपन योगदान द रहल अछि । सस्ता  स सस्ता  शौचालय बनेबाक तकनीक विकसित क सुलभ गरीब स गरीब लोक कए इ सुविधा मुहैया करेलक अछि । सुलभ क कोनो तकनीक पेटेंट नहि अछि, सुलभ जे खोज केलक अछि ओ अहां सबहक छी । डॉ पाठक कहला जे आइ सुलभ करीब 8 हजार सार्वजनिक शौचालय क निर्माण क ओकर संचालन क रहल अछि । दरभंगा मे सुलभ दुनियाक सबस नव आ सबस सुसज्जित सार्वजनिक शौचालय क निर्माण लेल तैयार अछि । नगर निगम अगर जमीन उपलब्ध करा देत त सुलभ अंतरराष्ट्रीय स्तर क सार्वजनिक शौचालय दरभंगा मे बनेबा लेल तैयार अछि ।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.