दरभंगा मे लागत मारुति उद्योग क परियोजना !

4
16

maruti1पटना । सरकार आ मारुति उद्योग लिमिटेड क बीच इ तय भेल छल जे एकटा प्रशिक्षण संस्थान खोलल जाए, जाहि मे मोटर चालक आ मोटर मैकेनिक क ट्रेनिंग देल जा सके। मारुति एहि पर सहमति सेहो देने छल। 2007 मे एकर परिकल्पना कैल गेल छल। सरकार क मारुति उद्योग लिमिटेड क साझेदारी वाला महत्वाकांक्षी परियोजना जमीन क अभाव मे दू साल स फाइल मे कैद भ कए रही गेल अछि। कंपनी क इंजीनियर क टीम दू बेर बिहार क दौरा करि चुकल अछि, मुदा जमीन क अभाव मे एखन धरि परियोजना ठप पड़ल अछि। सूत्र क अनुसार प्रशिक्षण क लेल टीम कए गया जिला मे 25 एकड़ जमीन विभाग क दिस स देखाउल गेल छल, मुदा ओ ठीक नहि छल। दोसर जिला मे जमीन क तलाश भ रहल अछि। दरभंगा आओर छपरा सेहो संभावना ताकल जा रहल अछि । सूत्र कहैत अछि जे दरभंगा मे एकरा लेल जमीन देखल गेल अछि। आगूक गप कंपनीक लोक तय करत। राज्य सरकार प्रशिक्षण संस्थान क लेल ढाई करोड़ टका स्वीकृति केलक अछि। विभागीय सूत्र कहैत अछि जे नव सिरा स जमीन क तलाश भ रहल अछि। मारुति उद्योग लिमिटेड कए पत्र लिखल गेल अछि कंपनी स अपन टीम फेर बिहार पठेबा लेल कहल गेल अछि। आशा अछि शीघ्र एहि पर काज शुरू होइत। उल्लेखनीय अछि जे हरियाणा सरकार मारुति उद्योग क संग मिलकए एहि तरहक योजना क क्रियान्वयन सेहो करि चुकल अछि। स्कीम क परिकल्पना अनुसूचित जाति-जनजाति कल्याण विभाग केने छल। सोचल गेल छल जे लक्षित वर्ग क 400 युवा कए प्रशिक्षण द कए हुनका लेल रोजगार उपलब्ध कराउल जाइत। विभागीय सचिव डॉ केपी रमैय्या एहि मसला पर कोनो प्रकार क टिप्पणी स मना करैत छथि। हालांकि ओ स्वीकार कैलथि जे परियोजना क क्रियान्वयन कए ल कए विभाग चिंतित अछि।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page

4 COMMENTS

  1. I really don’t agree with this post. Nevertheless, I had researched with Google and I have found out that you’re correct and I was thinking in the incorrect way. Keep on producing quality material similar to this.

  2. Bahut hi achha bat je Darbhanga me nivesak gati tej bhel….. Darbhanga jaldi hi Mithila ke audyogik sahar banat………

Comments are closed.