दरभंगा मे भ सकत हड्डी प्रत्यारोपण

दरभंगा। हड्डी रोग विशेषज्ञ डा. आरबी खेतान कहला अछि जे दरभंगा मे हड्डी प्रत्यारोपण शीघ्र शुरू होएत। प्रतिष्ठित मजिस्टर चिरारजी (एमसीएच) क डिग्री प्राप्त भेलाक मौका पर आयोजित कार्यक्रम डा.खेतान कहला जे दू मासक भीतर दरभंगा मे इ सुविधा शुरू भ जाएत। उत्तर बिहार क मरीज लेल इ एकटा सुखद समाद अछि। ओ कहला जे एहि रोग स ग्रस्‍त रोगी कए आब बाहर जेबाक कोनो जरुरत नहि रहत। ओ कहला जे ऑथ्रोस्कोपिक विधि स बिना चिर फाड़ केने मरीज क आपरेशन आब दरभंगा मे शुरु भ चुकल अछि। ओ कहला जे एकरा लेल ओटी कए अत्याधुनिक मशीन आ उपकरण स सुसज्जित कैल जा रहल अछि। एहि अवसर पर मुख्य अतिथि वरीय सर्जन डा. सीताराम सिंह उपचार क नाम पर मरीज संग भ रहल धोखाधड़ी कए पेशा संग अन्याय बहलाह। ओ कहला जे डाक्टर कए एकटा व्‍यापारी मात्र नहि बनि जेबाक चाही। विशेष अतिथि आरबी मेमोरियल अस्पताल क डा. बीएन मिश्रा मरीज क सेवा करबाक अपील केलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments