दरभंगा मे पहिल बेर चुनल गेल निर्विरोध पार्षद

दरभंगा। आइ जखन देशक सबस उच्‍च पद लेल विभिन्‍न राजनीति दल मे सर्वसम्‍मति नहि बनि पाबि रहल अछि। एहन मे दरभंगाक वार्ड संख्‍या 41 एकटा नव इतिहास गढबा लेल तैयार अछि। दरभंगा नगर क चुनावी इतिहास मे एकटा नव अध्याय जुडि गेल। दरभंगा नगर निगम चुनाव मे पहिल बेर कोनो वार्ड स निर्विरोध पार्षद चुनबाक संभावना अछि। इ रिकार्ड वार्ड 41 स शंकर प्रसाद जायसवाल क नाम दर्ज होएत। श्री जायसवाल क लो‍कप्रियताक अंदाजा एहि स सेहो लगाउल जा सकैत अछि जे एहि बेर लगातार चारिम बेर जीत क रिकार्ड सेहो हुनक नाम दर्ज भ गेल अछि। जानकारीक अनुसार नामांकन पत्र दाखिल करबाक अंतिम दिन एहि वार्ड स कोनो दोसर उम्‍मीदवार परचा नहि दाखिल केलक। एहि वार्ड स एक मात्र श्री जायसवाल पर्चा दाखिल केलथि अछि। पूर्व उपमहापौर श्री जायसवाल क खिलाफ पहिने दूटा उम्मीदवार ज्याउल होदा आ अरूण पूर्वे क मैदान मे उतरबाक गप छल, मुदा दूनू गोटा अंतिम समय मे बाबा के नाम स चर्चित श्री जायसवाल कए समर्थन क वार्ड क नाम एकटा रिकार्ड द देलथि।
देशक राजनीति आइ जाहि दुहारि पर ठार अछि ओहि ठाम एहन समाद क कल्‍पना मुश्किल अछि, मुदा समाज मे एखनो नीक लोक लेल सर्वसम्‍मति सन शब्‍द प्रयोग भ जाइत अछि। टूकडा टूकडा मे बंटल समाज मे अगर छोट सन इलाका स एहन राजनीतिक सोच सामने आबि रहल अछि, त इ उम्‍मीद जरूर कैल जाए जे इ हवा आओर इलाका तक पहुंचत आ नीक काज लेल नीक लोक आ विचार कए सर्वसम्‍मति भेटत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. Excellent story for opening the eyes and ears of political class of these days, who have lowered down their image like going down to the drains! People of Darbhanga have created a history in the democratic set-up in the country. my blog-www.kksingh1.blogspot.com

Comments are closed.