दरभंगा मे खुजत आईटी पार्क

नर्इ दिल्‍ली : अगर सब किछु ठीक रहल त एक सालक भीतर दरभंगा मे आइटी पार्क मूर्त रूप ल लेत। केंद्र सरकार दरभंगा समेत देशक चुनिंदा 10टा शहर मे आइटी पार्क बनेबाक घोषणा केलक अछि। इसमाद एहि लेल पिछला कई साल स मुहिम चला रखने छल। मिथिला क लोक लेल आर्इटी पार्क क सपना सच हुए जा रहल अछि। भारत सरकार एक साल क भीतर देश भरि मे दसटा आईटी पार्क खोलत जाहि मे दरभंगा सेहो अछि। इ समाद एकटा संवाददाता सम्‍मेलन मे दूरसंचार एवं सूचना प्रदयोगिकी मंत्री कपिल सिब्‍बल देलथि। ओ कहला जे हुनका लग एसटीपीआई (सोफ्टवेयर टेक्‍नोलोजी पार्क्‍स ऑफ र्इंडिया) स्‍कीम अछि आ ओ घोषणा करैत छथि जे एक सालक भीतर चयनित शहर मे एहि पार्क क स्‍थापना भ जाएत। एहि योजनाक अंतर्गत पहिल पार्क पंजाब मे जल्‍द शुरू होएत। सिब्‍बल कहला जे दरभंगा मे केवल आईटी पार्क नहि बल्कि एहि ठाम क कंपनी सब कए मार्केटिंग सपोर्ट सेहो देल जाएत, ताहि लेल अमेरिका मे एकटा सेंटर सेहो खोलल जाएत। ओ कहला जे एहि पार्क क इन्‍फ्रास्‍टक्‍चर क निर्माण क संगहि ओहि कंम्‍पनी सब कए आमंत्रित कैल जाएत जे तुरंत अपन व्‍यापार शुरू करबाक इच्‍छा राखत। ज्ञात हुए जे दरभंगा में आइआइटीक प्रस्‍ताव एयरपोर्ट नहि रहबा स वापस चल गेल, जखन कि आइआइआइटी सेहो गया या नालंदा जेबाक क्रम मे अछि, एहन मे आइटी पार्क एकटा उम्‍मीद जगेलक अछि। ज्ञात हुए जे दरभंगा अपन शिक्षण संस्‍थान लेल प्रसिद्ध अछि। एहि ठाम दूटा विश्‍वविद्ययल, मेडिकल कॉलेज, डेंटल कॉलेज, आयुर्वेद कालेज आ डब्‍ल्‍यूआइटी आ एमबीए कॉलेज सन संस्‍थान पहिने स चलैत अछि। एहन में इ आइटी पार्क नवयुवक लेल घर मे नौकरी क प्रबंध जेका अछि।

– इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.