दरभंगा नगर निगम केलक रिकार्ड वसूली


दरभंगा। बकाया होल्डिंग टैक्स क उगाही मे दरभंगा नगर निगम सूबा मे दोसर स्थान पर रहल। दिसंबर माह मे रिकार्ड वसूली करै मे निगम कए सफलता हाथ लागल। नगर विकास विभाग स एकमुश्त बकाया भुगतान पर 15 फीसदी क छूट देबाक प्रावधान क पूरा फायदा निगम उठउलक अछि आ सिर्फ दिसंबर माह मे एक करोड़ 45 लाख 28 हजार टका होल्डिंग टैक्स मद मे खाता मे जमा भ गेल। नगर आयुक्त विनोद कुमार झा एकर जानकारी देलथि। ओ कहलथि जे पटना मे उपमुख्यमंत्री क संग भेल समीक्षा बैठक मे सामने आएल जे दरभंगा नगर निगम स बेसी वसूली सिर्फ पटना मे भेल अछि। मालूम हुए जे नगर निगम क होल्डिंग टैक्स मद मे 9.21 करोड़ टका बकाया छल, जेकर विरुद्ध अखनि धरि लगभग 3.24 करोड़ क वसूली कएल गेल अछि। दोसर दिस, छूट क निर्धारित समय सीमा 31 दिसंबर कए पूरा हेबाक बाद नगर विकास विभाग बढ़ा कए 31 जनवरी करि देलक अछिै। आब पहिल फरवरी स बकाया राशि मे प्रतिमाह 2 प्रतिशत सूद क राशि जुड़ैत चलि जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments