दरभंगा टावर कए भेटत नव जीवन

दरभंगा । जिला प्रशासन आ नगर निगम प्रशासन क संयुक्त प्रयास स 15 जून क बाद दरभंगा टावर आ बेंता चौक पर गाडी ढार करब प्रतिबंधित करि देल गेल अछि। एहि कार्रवाई स एक दिस जतए टावर कए नव जीवन भेटत ओतहि लोक कए जाम स निजात भेट जाएत। डीएम आर लक्ष्मणन आ एसएसपी गरिमा मल्लिक क स्वीकृति क बाद नगर आयुक्त केबीएन सिंह एकरा लेल तैयारी शुरू क देलथि अछि।
श्री सिंह क अनुसार दरभंगा टावर क दक्षिण सुभाष चौक तक, पूरब भगत सिंह चौक आ उत्तर गणेश मंदिर आ सुदर्शन पेट्रोल पंप तक नो पार्किग जोन घोषित कैल गेल अछि। एहि परिसर मे भोर 9 स राति 9 बजे तक कोनो प्रकार क वाहन (दुपहिया बा चारि पहिया) कए प्रवेश नहि भेटत। वाहन मालिक अपन वाहन कए हसनचक स्थित पार्किग स्थल या अन्यत्र रखताह। नो पार्किग जोन मे वाहन लगेबा पर पुलिस लाइन क क्रेन मशीन ओकरा खींचकए थाना आनि लेत। जतए स जुर्माना भरलाक बाद गाड़ी छूटत। नो पार्किग जोन मे वाहन क संग प्रवेश करबा स रोकबा लेल भगत सिंह चौक, सुभाष चौक आ हसनचक पर स्थायी रूप स ट्राफिक पुलिस क पहिल बेर प्रतिनियुक्ति कैल जा रहल अछि। बेंता चौक पर सेहो एकरा सख्ती स लागू कैल जाएत। बेंता चौक क उत्तर मे स्थित तरकारी बाजार कए स्थानांतरित क ओहि ठाम टेंपो स्टैंड बनाउल जा रहल अछि। दुर्गा मंदिर क उत्तर डॉक्टर्स कॉलोनी क गेट तक स्थल कए विकसित क तरकारी बाजार बनाउल जा रहल अछि। बेंता चौक स उत्तर सफी मुसलिम स्कूल स कर्पूरी चौक तक मुख्य सड़क क पश्चिमी भाग मे वाहन क पड़ाव स्थल बनाउल जा रहल अछि। जिला प्रशासन बेंता चौक स एलआर गल्र्स स्कूल तक नो पार्किग जोन घोषित क देलक अछि। देखबाक चाही जे नगर निगम आ जिला प्रशासन अपन एहि फैसला कए कोना लागू करैत अछि। अगर एहि फैसला कए लागू करि देल जाइत अछि त इ दरभंगा शहर कए व्‍यवस्थित करबा दिस एकटा पैघ डेग कहल जाएत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

  1. Darbhanga-Laherisarai beech tempo lel one way traffick par bichar hebak chahee taki lok ke dikkat nahi ho. etekmlamba one way traffic kathu shayde hoit chhaik.

Comments are closed.