दरभंगा घराना क युवा कलाकार महाराष्ट्र मे सम्मानित

दरभंगा। मुंबई मे आयोजित अखिल भारतीय आकाशवाणी शास्त्रीय संगीत प्रतियोगिता मे दरभंगा घरानाक युवा गायक साहित्य मल्लिक आ संगीत मल्लिक पुरस्कार जीत मिथिला क सुखाइत शास्त्रीय संगीतक रस धार कए जीवंत कए देलथि। दरभंगा घरानाक एहि दूनू रत्न कए इ पुरस्कार आईटीसी संगीत रिसर्च अकादमी दिस स मुंबई क एनसीपी हॉल मे समारोहपूर्वक प्रदान कैल गेल। मल्लिक बंधु कए हिन्दुस्तानी गायन ध्रपद-धमार क लेल इ पुरस्कार देल गेल अछि। हिनका सब कए 23 फरवरी कए दिल्ली मे राष्ट्रपति प्रतिभादेवी सिंह पाटिल सेहो गोल्ड मेडल प्रदान करतथि। उल्लेखनीय अछि जे विश्व प्रसिद्ध दरभंगा क मल्लिक परिवारक इ दूनू कलाकार अपन पिता चर्चित ध्रुपद गायक पं. रामकुमार मल्लिक स शिक्षा ल रहल छथि। दूनू भाइ अपन पितामह पं. विदुर मल्लिक स सेहो सुर क ज्ञान प्राप्त केने छथि। साहित्य आ संगीत ध्रुपद-धमार क अलावा ख्याल, ठुमरी, भजन, विद्यापति संगीत मे सेहो निपुण छथि। स्थानीय सीएम कॉलेज स विगत वर्ष स्नातक क उपाधि प्राप्त इ दूनू कलाकार दरभंगा घराना कए एक बेर फेर देश विदेश मे परचम लहरा रहल छथि। हिनका संस्कृति मंत्रालय भारत सरकार दिस स छात्रवृत्ति सेहो भेट रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments