दरभंगा आ मोतिहारी मे खुलत वी मार्ट क चेन

नई दिल्‍ली। बिहार लेल एकटा नीक समाद। फ़िल्मी जगत मे आधुनिक परिधानक लेल मशहूर रिटेल चेन वीमार्ट आब बिहार पहुंच रहल अछि। कंपनी दिस स जारी बयान मे कहल गेल अछि जे बिहार मे एकर पहिल शुरुआत भागलपुर स भेल अछि। मुदा आब कंपनी दरभंगा आ मोतिहारी मे अपन स्टोर खोलबाक योजना तैयार केलक अछि। वी मार्टक मेनेजिंग डाइरेक्टर ललित अग्रवालक अनुसार वी मार्ट आब विकासशील शहरक दिस बेसी ध्यान द रहल अछि। खास क टायर 2, 3 आ 4 शहर मे, जेकर आबादी 10 लाखक आसपास हुए। किया कि एहि छोट शहर क लोग मे फैशन इंडस्ट्री क बारे मे ओते पता नहि होइत अछि। एहन ठामक लोक लग टका त होइत अछि मुदा ब्रांडेड कपडा कीनबाक चलन नहि होइत अछि। नब-नब फैशन क बारे मे हुनका पता त चैलत अछि मुदा कपडा शहर मे उपलब्‍ध नहि होइत अछि।  एहि सब कए ध्यान मे राखैत कम्पनी एहन शहर पर विशेष ध्यान द रहल अछि।
हुनकर अनुसार वी मार्ट मुख्य रूप स युवा वर्ग कए आकर्षित करबा लेल काज क रहल अछि। ओ कहलथि- हम अपन ब्रांडिंग मुख्य रूप स फिल्म स चुनए छी आ हमर कम्पनी क टाय-अप सेहो  ढेर रास फिल्म संग अछि खास कए टी-सीरिज फिल्म्स क संग। ताहि दुवारे एता अहाँकए नब-नब ब्रांड आ फैशन क कपड़ा भेटत। कम्पनी क योजना कए देखैत एकटा गप त साफ़ भए गेल जे बिहार किछु दिन मे ब्रांडेड कपड़ा क मामला मे बहुत आगू भ जाएत। ज्ञात हुए जे किछु दिन पहिने लिलिपुट आ ओरियेंट क्राफ्ट सेहो अपन कम्पनी बिहार मे खोलबाक काज शुरू केलक अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments