दरभंगाक डिजिटल मैप भ रहल अछि तैयार

0
37
esamaad maithili newspaper

दरभंगा। दरभंगा शहर क डिजिटल मैप तैयार भ रहल अछि। संगहि एहि मे होल्डिंग क मद्देनजर सेहो डिजिटल फोटोग्राफी शुरू भ गेल अछि। एहि काजक जिम्‍मेदारी दिल्ली क कंपनी सी इंफोसिस्टम प्रालि कए देल गेल अछि। कंपनीक प्रोजेक्ट को-आर्डिनेटर अमरेंद्र कुमार कर्ण कहला जे सपोर्ट प्रोग्राम फार अरबन एरिया क तहत दरभंगाक डिजिटल मैप तैयार भ रहल अछि। डिजिटल मैप मे दरभंगा-लहेरियासराय शहर क सबटा 48टा वार्ड शामिल होएत। बस स्टैंड, सिवरेज आ ड्रेनेज सिस्टम, मुख्य पथ क संगहि गली क सड़क, सरकारी चापाकल, सामुदायिक भवन, पार्क, शौचालय, विद्युत पावर स्टेशन, ट्रांसफॉर्मर आदि सब किछु कए डिजिटल मैप मे शामिल कैल जाएत। एकर संगहि निगम मे दर्ज करीब 42 हजार होल्डिंग कए सेहो एहि मैप मे शामिल कैल जाएत। एहि मे मकान क स्वरूप क संगहि ओकर पूर्ण जानकारी यानी कोठली क संख्या, आकार आदि सेहो दर्ज होएत। एहि दृष्टि स सबहक डिजिटल फोटोग्राफी होएत। कपंनी क प्रोजेक्ट को-आर्डिनेटर क अनुसार सार्वजकिन स्थल मे स प्राय: क डिजिटल फोटोग्राफी भ चुकल अछि। आब होल्डिंग क बारी अछि।

Comments

comments