दरभंगाक क सफाई क जिम्‍मा आब निजी कंपनी क हाथ मे

दरभंगा। दरभंगा शहरक सफाई क जिम्‍मेदारी आखिरकार निजी कंपनी कए सौंप देल गेल। निजी कंपनी एटूजेड शहर मे सफाई-कार्य अगिला सप्‍ताह स आरंभ करि देत। कचरा क ढेर आओर नाला क गंदगी शहर पहचान बनि गेल अछि, एहन मे एहि कंपनी कए सफाइक दरभंगाक पुरान दिन लौटबाक उम्‍मीद जगल अछि। एहि नव व्‍यवस्‍थाक तहम लोक कए एकटा आओर सुविधा भेटत जे आब ककरो घर स कूड़ा फेंकबा लेल बाहर जेबाक आवश्‍यकता नहि रहत, बल्कि कंपनीक गाडी लोकक दुहारि तक आउत आ कचरा कलेक्शन करत। लोकक कहब अछि जे सुनबा मे जेतबा नीक लागी रहल अछि व्‍यवहार मे केतबा सफल होएत इ त समय बताउत, मुदा कंपनीक कहब अछि जे ओ सफाई क चुस्त व्यवस्था करबाक पूरा व्‍यवस्‍था करि लेलक अछि। ओना कंपनीक कहब अछि जे कोनो काज राताराति संभव नहि अछि। जाहि प्रकारक गंदगीक ढांचा शहर मे स्‍थापित अछि ओकरा खत्‍म करबा मे किछु समय लागत। ओना कंपनी काज आरंभ करबा लेल तैयार अछि। जहिना नगर निगम क अधिकारी तारीख तय करताह, कंपनीक लोक शहर मे सक्रिय रूप स काज करबा लेल आबि जाएत। कंपनी कए काज शुरू करबा लेल मुख्‍य रूप स डंपिंग साइट आ वाहन क लेल पार्किंग प्लेस चाही, जे देबा मे नगर निगम देरी कए रहल अछि। दोसर दिन कंपनी पहिल चरण मे आवंटित 16टा वार्ड क सर्वे कार्य सेहो लगभग पूरा करि चुकल अछि। एटूजेड क डीजीएम विकास झा क कहब अछि जे दरभंगा क लेल आधा दर्जन सुपरवाइजर क बहाली भ चुकल अछि। एक दू दिन मे चालक आदि सेहो नियुक्‍त भ जेताह। कंपनी कोशिश करि रहल अछि जे जून क पहिल सप्‍ताह मे काज आरंभ करि देल जाए। सर्वे पूरा भेलाक बाद आब आकलन कैल जा रहल अछि जे केतबा जेसीवी, बॉककैट, कंपेक्टर, रिक्शा आदि क जरूरत अछि? सर्वे मे सड़क आ नाला क लंबाई-चौड़ाई क आकलन सेहो भेल अछि। ओ कहला जे एखन पहिल चरण मे 16टा वार्ड मे सफाई काज होएत, मुदा एकरा जल्‍द 48टा वार्ड मे शुरू कैल जाएत, ताकि मशीन आदि मंगेबा मे सहूलियत भ सकए। झा कहला जे जून स दरभंगा मे कंपनी क कार्यालय सेहो सक्रिय भ जाएत, जेकर बाद काज मे तेजी आउत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments