थाना क मामला मे सेहो मिथिला क्षेत्र पाछु

पटना । केंद्र सरकार क योजना क तहत बिहार मे 60टा नव थाना आओर खोलल जा सकैत अछि। पुलिस मुख्यालय जखन नव थाना लेल प्रस्ताव कए अंतिम रूप देलक त इ तथ्य सामने आयल जे बिहार मे मिथिला क्षेत्र आन क्षेत्र क मुकाबला मे काफी असुरक्षित अछि। आधिकारिक तौर पर भेटल जानकारी क अनुसार उत्तर बिहार मे पैघ स्तर पर सिक्योरिटी वैक्यूम अछि। मुजफ्फरपुर जिला मे इ सबस बेसी अछि। एहि आंकडा कए सामने एलाक बाद इ तय अछि जे उत्तर बिहार मे नव थाना क संख्या बेसी होएत। पटना जिला क संबंध मे भेटल जानकारी क अनुसार एहि ठाम केवल दूटा नव थाना खोलबाक प्रस्ताव अछि। पालीगंज क भीतरी इलाका मे दू ठाम एहन चिह्नित भेल अछि जाहि ठाम नव थाना शुरू कैल जा सकैत अछि।
सिक्योरिटी वैक्यूम आखिर होइत कि अछि, एहि सवाल पर पुलिस पदाधिकारी कहला जे सिक्योरिटी वैक्यूम ओ स्थिति अछि जखन कोनो इलाका थाना क परिधि स काफी दूर होइत अछि। समय पर ओहि ठाम पुलिसिंग क सुविधा देबा मे परेशानी होइत अछि। एहन मे केंद्र सरकार क खर्च पर अगिला तीन-चारि साल मे चरणबद्ध तरीका स सिक्यूरिटी वैक्यूम वाला इलाका मे थाना क निर्माण शुरू कैल जाएत। पहिल चरण मे ओहि इलाका कए प्राथमिकता देल जाएत जे सिक्यूरिटी वैक्यूम क लिहाज स बेसी महत्वपूर्ण अछि। एहि थाना क आधारभूत संरचना क सबटा खर्च केंद्र सरकार कए उठेबाक अछि, जखनकि पुलिसकर्मी क तैनाती पर होइवाला राशि राज्य सरकार कए वहन करबाक अछि। गृह विभाग पहिने स चरणबद्ध तरीका स 43 हजार पुलिसकर्मी क नियुक्ति क फैसला कए अपन मंजूरी द चुकल अछि। एहि लेल बिहार मे नव थाना लेल पुलिसकर्मी लेल पद सृजन क कोई समस्या नहि अछि।
जाहि जिला मे नव थाना शुरू करबाक अछि प्रस्ताव : मुजफ्फरपुर, सीतामढ़ी, मधुबनी, शिवहर, सहरसा, सुपौल, मधेपुरा, पूर्णिया, सुपौल, मुंगेर, जमुई, बांका, लखीसराय, मुंगेर, गया, पटना, रोहतास, नवादा व कैमूर।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. Prasasn swayam mani rahal achhi je Mithilanchal me security vacuum achhi takhan paryapt Police Post nahi rakhbak karan bujhaba san bahar achhi. Jan Mithilanchalak Geography (exhisting) ken bariki san study kari ta dekhaba me abaichh je kshetra katek asurakshit achhi. Bahuto ehal sthan achhi jata prasasnak pahunch nahi achhi. Jakra karne Mithlanchal me apradhak badhottari bha rahal achhi. Halek samay me Des me ghatit paigh ghatna sab me ehi thamak lokak sahbhagita bhetal achhi. Aswikar nahi kayal ja sakait achhi je prayojit atankvad me sanlipt kichhu lok ehi kshetra me achhi jahi par prasasn chup achhi.

Comments are closed.