तैयार भ गेल डीपीआर

पटना। उप मुख्‍यमंत्री सुशील कुमार मोदीक अनुसार समाहरणालय स गांधीघाट क बीच गंगा नदी क काते-काते सड़क बनेबाक मार्ग प्रशस्त भ गेल अछि। 150 करोड़ क लागत स बनै वाला एहि सड़क क डीपीआर नगर विकास विभाग तैयार करि लेलक अछि। श्री मोदी कहला जे आठ स दस फीट चौडा एहि सडक कए कात मे लोक कए बैसबा लेल कुर्सी लगाउल जाएत। समाहरणालय स गांधीघाट क दूरी पांच किलोमीटर अछि। दूनू स्थल क बीच मे कई ठाम घाट सेहो बनाउल जा रहल अछि। एहि घाट पर सांस्कृतिक कार्यक्रम नियमित रूप स होएत। सड़क निर्माण क योजना गंगा रीवर बेसिन आथोरिटी क अछि। योजना मे किछु सुधार क संग केंद्र कए पठा देल गेल अछि मंजूरी भेटलाक बाद काज शुरू करि देल जाएत। दोसर दिस दिघा स पटना सिटी तक चारि लेनक सडक क लेल सेहो डीपीआर तैयार कैल जा रहल अछि। अपन काज स दुनिया कए अचंभित करनिहार प्रत्‍यय अमृत कए एकर जिम्‍मेदारी सौंपने अछि। श्री अमृत क प्रयास स इ परियोजना किछु गति पौलक अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments