तैयार भेल रेलवेक मिथिला भ्रमणक योजना

1
2


मुजफ्फरपुर । उत्तर बिहार क सांस्कृतिक स्थल पर देशी-विदेशी पर्यटक कए आकर्षित करबा लेल इंडियन रेलवे कैटरिंग एंड टूरिज्म कॉरपोरेशन (आईआरसीटीसी) पिछला कई मास स योजना तैयार करि रहल छल। जेकर समाद पहिने अपने लोकनि कए भेट चुकल अछि। एहि विशेष योजना कए आईआरसीटीसी अंतिम रूप द देलक अछि। उत्तर बिहारक प्रतुख स्थल कए प्रमोट करबाक लेल विशेष टूरिज्म पैकेज कहियो घोषित भ सकैत अछि। योजना क तहत पर्यटक ट्रेन क रूट मुजफ्फरपुर, दरभंगा, मधुबनी आ सीतामढ़ी द कए तय कैल गेल अछि। एहि जिला क विभिन्न विख्यात स्थल पर पर्यटक कए पहुंचेबा लेल बस आ टैक्सी क सेहो व्यवस्था कैल जा रहल अछि। जानकारी क मुताबिक, आईआरसीटीसी मधुबनी कए मिथिला पेंटिंग, जयनगर कए नेपाल क प्रवेश द्वार, दरभंगा कए द्वारबंग, सीतामढ़ी कए मां जानकी क जन्मस्थली आ मुजफ्फरपुर कए बाबा गरीबनाथ नगरी क रूप मे प्रचारित-प्रसारित करि पर्यटक कए एहि दिस आकर्षित करत। एकर अलावा पर्यटक कए नेपाल क नैरोगेज ट्रेन मे सेहो घुमाउल जाएत। हुनका एहि ट्रेन क माध्यम स विभिन्न सांस्कृतिक जगह क भ्रमण कराउल जाएत। सूत्र क अनुसार मुजफ्फरपुर जिलाक काबासोकुंड भगवान महावीर क जन्मस्थली क रूप मे आ वैशाली जिला मे अवस्थित जैन मंदिर कए पावापुरी, पारसनाथ आ भागलपुर क संग जैन सर्किट स जोड़ल जा रहल अछि। ताकि एहि धर्म कए माननिहार कए पर्यटक संग एहि ठाम आनल जा सके।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page

1 COMMENT

  1. एते दिन बाद विदेश स(अमरीका)आबि एतय मैथिली सुनक मौका भेटी रहल अछि से त नीक लगिय रहल ि अछइ समाद पढि क सेहो मोन एकदम प्रसन्न भ गेल। सपादकीय दल से निवेद्न अछि जे ओ सब अपन प्रयास अहिना जारी राखथि , जौ हमरा स कोनो अनुवादक सहयोग भ सकय त ओहि में हम अपन योगदान देबाक लेल तैयार छी। शुभ – विजय ठाकुर – ए-२०१ कैराली अपार्ट्मेन्टस, सेक्टर ३, द्वारका, नयी दिल्ली – ११००७५ (तात्कालिक पता), स्थायी पता – १९१/२/५ गोविंदपुर आवासीय कालोनी, जमशेदपुर झारखंड ८३१०१५ (भारत)

Comments are closed.