तेल तकबा लेल फेर कोरल जाएत मिथिलाक धरती

1
9
esamaad maithili newspaper

पटना। मिथिलाक धरती पर एक बेर फेर लक्ष्‍मीक सबस पैघ स्रोत तेल तकबाक काज शुरू होएत। अगर इ प्रयास सफल भेल त मिथिलाक भाग्‍य उदय भ सकैत अछि। जानकारीक अनुसार सार्वजनिक क्षेत्र क कम्पनी, तेल आ प्राकृतिक गैस निगम (ओएनजीसी) अगस्त स बिहार क किशनगंज मे दूटा स्थान पर तेल आ प्राकृतिक गैस तकबा लेल खुदाई शुरू करत। ओएनजीसी क इ तेसर प्रयास होएत। मुख्यमंत्री कार्यालय स निकलल सूचनाक अनुसार ओएनजीसी अगिला मास किशनगंज मे खुदाई शुरू करबाक फैसला लेलक अछि। कम्पनी क अधिकारी क कहब अछि जे कम्पनी तेल आ प्राकृतिक गैस तकबा लेल दूटा स्थान पर खुदाई करबाक फैसला केलक अछि। अधिकारीक कहब अछि जे राज्‍यक पूर्णिया, अररिया, किशनगंज आ कटिहार जिला मे हाइड्रोकार्बन क अन्वेषण कैल गेल छल, जाहि मे परिणाम उत्‍साहजनक नहि रहल। अधिकारी क कहब अछि जे एहि क्षेत्र मे तेल आ गैस क भंडार त अछि मुदा ओ ततबा गहीर अछि जे ओकरा निकालब घाटा क सौदा होएत, एहन मे ओहि स्‍थानक ताक कैल जा रहल अछि जाहि ठाम स एकरा सुविधापूर्वक निकालल जा सकए। एहि लेल किशनगंज क दूटा स्‍थानक चयन कैल गेल अछि,अगर एहि ठाम स तेल निकालब फायदेमंद रहत त इ क्षेत्र तेल उत्‍पादन लेल महत्‍वपूर्ण भ जाएत।
सरकार आ कंपनी दूनू एहि प्रयास स बेसी उत्‍साहित नहि अछि किया त 1990 क दशक मे कंपनी बिहार क पूर्णिया, अररिया, किशनगंज आ कटिहार जिला मे हाइड्रोकार्बन क अन्वेषण केने छल। कम्पनी 2007-08 मे फेर स अन्वेषण शुरू केने छल।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page

1 COMMENT

  1. माए मैथिली उपरोक्सत टीमकेँ फलता देथु ।

Comments are closed.