तीन बैंक प्रबंधक समेत सात क खिलाफ आरोप पत्र

पटना। केन्द्रीय जांच ब्यूरो धोखाधड़ी, जालसाजी आ भ्रष्टाचार क मामला मे आइ एकटा राष्ट्रीयकृत बैंक क तीनटा प्रबंधक समेत सात लोकक खिलाफ विशेष अदालत मे आरोप पत्र दाखिल केलक। ब्यूरो इ आरोप पत्र भ्रष्टाचार निरोधक अधिनियम आ भारतीय दंड विधान क विभिन्न धारा क तहत विशेष न्यायाधीश दिग्विजय सिंह क अदालत मे दाखिल केलक अछि। आरोपी मे पटना स्थित यूको बैंक क पाटलीपुत्र शाखा क तत्कालीन वरीय प्रबंधक जयराम चंद्र नंदी, प्रबंधक धरमचंद जैन, सहायक प्रबंधक एन आनंद राज, बैंक क वकील संजय कुमार कोसवरे आ मेसर्स शिवम् प्लानर एंड कन्सट्रक्शन प्राइवेट लिमिटेड क निदेशक मणि देवी, मनोज कुमार सिंह आ विजय प्रताप सिंह शामिल छथि। आरोप क अनुसार अभियुक्त एकटा आपराधिक षडयंत्र क तहत फर्जी दस्तावेज क आधार पर बैंक स तीन करोड़ 86 लाख टका क ऋ ण लकए बैंक कए हानि पहुंचेलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments