तीन चरण मे होएत नीतीश क अगिला प्रवास

पटना। राजगीर प्रवास क बाद मुख्यमंत्री क अगिला प्रवास यात्रा तीन चरण मे होएत। प्रवास यात्रा क कार्यक्रम घोषित करि देल गेल अछि। मुख्यमंत्री सचिवालय स भेटल जानकारी क अनुसार मुख्यमंत्री क प्रवास यात्रा क पहिल चरण वैशाली स आरंभ होएत। पंद्रह जनवरी स अठारह जनवरी तक मुख्यमंत्री वैशाली मे प्रवास करताह। ओहि ठाम स ओ सरकारी काज कए निबटेताह। प्रवास यात्रा क दोसर चरण 26 जनवरी स शुरू होएत। 26 क सांझ ओ बोधगया पहुंचताह। 29 जनवरी तक मुख्यमंत्री बोधगया मे रहताह। प्रवास यात्रा क तेसर चरण मे मुख्यमंत्री सारण जिला क एकमा मे रहताह। तेसर चरण 14 स 18 फरवरी तक चलत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments