तीन अप्रैल स होएत मदरसा बोर्ड क परीक्षा


पटना। बिहार राज्य मदरसा शिक्षा बोर्ड परीक्षा क संभावित तिथि 3 स 29 अप्रैल तक करेबाक घोषणा केलक अछि। एहि संबंध मे परीक्षा नियंत्रक मो. मुस्तफा कहलथि जे मदरसा बोर्ड कार्यालय मे परीक्षा फॉर्म आगामी 16 फरवरी तक जमा लेल जाएत। एहि संबंध मे राज्य क प्रस्वीकृत मदरसा क प्रधान मौलवी/प्राचार्य कए आवश्यक निर्देश देल जा चुकल अछि। खास गप इ अछि जे विलंब शुल्क क संग कोनो प्रकार क परीक्षा फार्म एहि वर्ष नहि स्वीकार कएल जाएत। एहि स निर्धारित तिथि तक परीक्षा फार्म जमा करेबाक जिम्मेवारी मदरसा क अछि। फौकानिया वर्ग क परीक्षा क संभावित तिथि 3 स 10 अप्रैल तय कएल गेल अछि। मौलवी वर्ग क परीक्षा क तिथि 24 स 29 अप्रैल तक निर्धारित कएल गेल अछि। परीक्षाफल प्रकाशित करेबाक संभावित तिथि 30 मई तक तय कएल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments