तीनटा ट्रांसमिशन लाइन स जुडत उत्तर आ दक्षिण बिहार

पटना । नार्थ बिहार पावर डिस्ट्रीब्यूशन कंपनी लिमिटेड क मुख्यालय पटना स दरभंगा ल जेबाक मांग क बीच सरकार एहि पारक बिजली कए जरुर ओहि पार पहुंचेबाक प्रयास मे जुटि गेल अछि । राज्य सरकार उत्तर आ दक्षिण बिहार क बीच बिजली वितरण क समस्या कए दूर करबा लेल एकटा पैघ योजना तैयार केलक अछि। एहि योजना क तहत गंगा नदी मे उच्च क्षमता क तीनटा ट्रांसमिशन लाइन बनत । एकर माध्यम स 500 मेगावाट स बेसी बिजली उत्तर आ दक्षिण बिहार आबि-जा सकत। एतबे नहि राज्य क बिजली घर स सेहो आसानी स इ जुडि सकत । एहि स उत्तर बिहार क बिजली संकट दूर होएत । एखन दक्षिण बिहार क तुलना मे उत्तर बिहार मे बिजली क स्थिति खराब अछि । समस्या इ अछि जे दक्षिण बिहार मे बिजली उपलब्ध रहलाक बावजूद कमजोर ट्रांसमिशन लाइन क कारण उत्तर बिहार कए जरूरत क अनुरूप आपूर्ति नहि भ पबैत अछि । एहि ट्रांसमिशन लाइन कए बनला स उत्तर बिहार मे पर्याप्त बिजली उपलब्ध होएत । राज्य क ऊर्जा मंत्री विजेंद्र प्रसाद यादव क कहबाक अछि जे एहि योजना क एकटा पैघ खासियत इ होएत जे राजधानी पटना कए सेहो संकट क समय वैकल्पिक स्रोत स बिजली भेट सकत । पटना मे कोनो कारणवश संकट उत्पन्न भेला पर उत्तर बिहार स सीधा बिजली आपूर्ति कैल जा सकत । ओ कहला जे बिहटा कए निर्माणाधीन नवीनगर बिजलीघर स, बाढ़ बिजलीघर स फतुहा, कहलगांव आ प्रस्तावित बांका अल्ट्रा मेगापावर प्रोजेक्ट कए भागलपुर स जोड़बा क योजना अछि। इ काज पीपीपी मॉडल क तहत बूम ( बिल्ड, ओन, आपरेट एंड मेन्टेनेंस) स होएत। कंपनी कम स कम 25 साल लेल काज करत । ओना इ परियोजना अगिला दू साल मे पूरा भ जाएत ।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments